निर्वाचनक लेल सहयोग करबाक भारतक प्रतिबद्धता


काठमाण्डू, २३ अगहनः अइगला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनकेँ सफलतापूर्वक सम्पन्न करबाक लेल भारत सहयोगक प्रतिबद्धता व्यक्त केलक अइछ ।

गृहमन्त्री ओम प्रकाश अर्यालसँ भारतीय विदेश मन्त्रालयके अतिरिक्त सचिव मुनु महावर आइ कएने शिष्टाचार भेटमे ओ निर्वाचनक लेल आवश्यक स्रोतसाधन आ सुरक्षा बन्दोबस्तीके सामग्री सहयोग करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।

भारतीय विदेश मन्त्रालयके उत्तर मामिला देखैबला अतिरिक्त सचिव मुनु नेपाल भ्रमणक सिलसिलामे रैबदिन काठमाण्डू आएल छलैन ।

भेटमे भारतीय अतिरिक्त सचिव महावर जाजरकोट भूकम्पक बादके पुनर्निर्माण तथा विपद्सँ क्षति भेल संरचनाके पुर्नःस्थापना आ व्यवस्थापनमे सहयोग करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएने गृहमन्त्रीके स्वकीय सचिवालय जनौने अइछ । अतिरिक्त सचिव महावर गृहमन्त्री अर्यालकेँ उपयुक्त समयमे भारत भ्रमणक लेल निमन्त्रण सेहो देलैन ।

ओइ क्रममे गृहमन्त्री अर्याल कञ्चनपुरके दोधारा–चाँदनीमे निर्माणाधीन सुक्खा बन्दरगाहके काजकेँ तीव्रता देबाक लेल आग्रह केलैन ।

सीमा अपराध रोकथाम, चोरी तस्करी, अवैध सामानक ओसारपसार आ आपराधिक गतिविधि नियन्त्रण करबाक लेल दूनु दिसक सीमा सुरक्षा सङ्गठनक क्षमता अभिवृद्धि आ सूचना आदानप्रदान प्रभावकारी बनेबापर गृहमन्त्री अर्याल जोड़ देलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय