नेपाली प्रतिभा प्रतिष्ठान बेलायतद्वारा लेखक विजेता चौधरी पुरस्कृत


राजविराज । नेपाली प्रतिभा प्रतिष्ठान बेलायतद्वारा काठमाण्डूक बागबजारमे सोम दिन आयोजित समारोहमे युवा पत्रकार तथा लेखक विजेता चौधरीकेँ ‘प्रतिभा पुरस्कार–२०२५’ सँ सम्मानित कएल गेल अइछ ।

ओही कार्यक्रममे ‘प्रतिभा विशिष्ट सम्मान–२०२५’ वरिष्ठ कवि जसराज किराँतीकेँ प्रदान कएल गेल अइछ । प्रमुख अतिथि वरिष्ठ साहित्यकार बैरागी काइँलाद्वारा दुनू सम्मानक साथ नगद एक लाख रुपैयाँ, सम्मानपत्र आ दोसल्ला प्रदान कएल गेल ।

पुरस्कार ग्रहण करैत चौधरी कहलनि जे, साहित्यक यात्रामे ई पुरस्कार एकटा अनपेक्षित आ अत्यन्त प्रेरणादायी क्षण छी। ओ कहलनि, “प्रतिष्ठान द्वारा सम्मानित भ’ क हम अत्यन्त उत्साहित छी । ई पुरस्कार केवल हमर नइँ, मैथिली आ मधेशक सम्मान सेहो छियै ।”
१९८१ मे जनकपुरधाममे जन्मल विजेता चौधरी मैथिली भाषा–साहित्य आ नेपाली पत्रकारितामे सक्रिय योगदान दैत आबि रहल छइथ । ४४ वर्षीया चौधरीक शैक्षिक योग्यता राराब क्याम्पस जनकपुरसँ नेपाली विषयमे स्नातकोत्तर तथा पत्रकारितामे स्नातक कएने छइथ ।

हुनकाद्वारा प्रकाशित प्रमुख कृति सभमे ‘धाराक विरूद्ध’ (२०१९, मैथिली कविता सङ्ग्रह), ‘कफ्र्यु’ (२०२०, मैथिली कथा सङ्ग्रह), आ ‘चुप्पी चिकरैछ निःशब्ध निशब्ध’ (२०२१, एक–पंक्ति कविता सङ्ग्रह) प्रमुख रूप सँ परिचित अछि। लेखक मनु ब्राजाकीके चर्चित कृति ‘तिम्री स्वास्नी र म’ केर मैथिली अनुवाद ‘तोहर कनियाँ आ हम’ (२०२२) चौधरीक चर्चित कृति मानल जाइत अइछ।

हुनक नवीनतम योगदानमे नीरजा रेणुक कथा सङ्ग्रह ‘ऋतम्भरा’ केर नेपाली अनुवादित अइछ, जे नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानसँ प्रकाशोन्मुख अइछ । अही तरहें कोइरालाक आख्यानमे मधेश, मैथिली साहित्यक इतिहास, आ मैथिली चित्रकलाक विकास–अवस्था पर कएल गेल शोधक कारण चौधरी विद्वत समुदायमे अलग पहिचान बनाओने छइथ ।

लेखिका चौधरी नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानद्वारा प्रकाशित ‘आँगन’ पत्रिका केर सम्पादक सेहो भ’ चुकल छइथ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय