काठमाण्डू, २३ अगहनः नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) मे सुदूरपश्चिम रोयल्स फाइनलमे पहुँचल अइछ ।
आइ भेल पहिल ‘क्वालिफायर’ खेलमे विराटनगर किङ्ग्सकेँ ७७ रनसँ पराजित करैत सुदूरपश्चिम फाइनलमे पहुँचल अइछ । पराजित विराटनगरकेँ ‘इलिमिनेटर’ खेलबाक मौका बचल अइछ ।
सुदूरपश्चिमके १५६ रनके विराटनगर १४ दशमलव एक ओभरमे ७८ रनमे अलआउट भेल। जाहिमे फाफ डु प्लेसिस सर्वाधिक ३६ रन बनेलक । सुदूरपश्चिमके स्कट कुगेलेइन, अभिनाश बोहरा आ हर्मित सिंह दू/दू विकेट लेलक ।
अइसँ पहिने कीर्तिपुरस्थित त्रिवि अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेट रङ्गशालामे टस हाइर क पहिने ब्याटिङ कएने सुदूरपश्चिम निर्धारित २० ओभरमे सात विकेट क्षतिमे एक सओ ५५ रन बनेलक । सुदूरपश्चिमके लेल विनोद भण्डारी सर्वाधिक ६३ रनके योगदान देलक । ओ ५२ बलमे तीन चौका आ दू छक्काके मद्दतमे ६३ रन बनेलक । तहिने, आरिफ शेख आ शेरडोन ज्याकसन समान २०/२० रन बनेलक । तहिना हरमित सिङ १४ रन इसान पाण्डे १३ रन बनेलक ।
बलिङमे विराटनगरके प्रतिश जिसी आ मार्सेन्ट दिलाङ समान दू/दू विकेट लेलक तँ सूर्य तामाङ आ साम हेजलेट समान एक/एक विकेट लेलक । (रासस)





