समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीः निर्वाचन अधिकृतक कार्यालय स्थापना


काठमाण्डू : निर्वाचन आयोग समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिसक लेल निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय स्थापना केलक अइछ । अइगला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनके समानुपातिक प्रणालीदिसक निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय सोमदिन आयोगक कार्यालय परिसरमे स्थापना कएल गेल अइछ ।

कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त राम प्रसाद भण्डारीद्वारा कार्यालयके उद्घाटन कएल गेल आयोगक प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन ।

उक्त निर्वाचन प्रणालीदिस सहायक निर्वाचन अधिकृतके रुपमे आयोगक सहसचिव यज्ञ प्रसाद भट्टराईकेँ जिमेवारी देल गेल अइछ । समानुपातिक निर्वाचन व्यवस्थापनक लेल जमा ४१ गोटे कर्मचारी खटत । जमा २ सओ ७५ सदस्यीय प्रतिनिधि सभामे समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीमार्फत १ सओ १० गोटे निर्वाचित होबाक व्यवस्था अइछ ।

कार्यालयके उद्घाटन करैत कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त भण्डारी समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीके सब काज निर्वाचन अधिकृतके कार्यालयसँ हएत कहैत सरोकार भेलसभकेँ आसान होबाक विश्वास व्यक्त केलैन । सूत्रात्मक पद्दतिसँ राष्ट्रिय तथ्याङ्क कार्यालयके सहयोगमे कानुनबमोजिमके जातीय, भौगोलिक, लैङ्गिकलगायत समूह अलग क प्रतिनिधि चयन कएल जेबाक कारण सब पक्षके भरोसा रहबाक सेहाे ओ उल्लेख केलैन ।

कार्यक्रममे निर्वाचन आयुक्तद्वय डा. जानकी कुमारी तुलाधर आ सगुन शम्शेर जबरा एवं आयोगक कर्मचारीके उपस्थिति छलैन । तहिना, सोमदिन अर्थमन्त्री रामेश्वरप्रसाद खनाल आ कानुनमन्त्री अनिल कुमार सिन्हा निर्वाचन आयोगमे कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त आ आयुक्तसँ निर्वाचन पूर्वतैयारीके अवस्था आ आबैबला दिनमे निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल सरकार आयोगकेँ उपलब्ध कराबैबला सहयोगक विषयमे परामर्श कएने छलैन । परामर्शमे अर्थमन्त्री निर्वाचन सम्पन्न करए आयोगकेँ आवश्यक होएबला बजेटक अभाव नै हएत से प्रतिबद्धता व्यक्त कएने छलैन ।

उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्ति मन्त्रालयके कार्यभार सम्हारने कानुन, न्याय तथा संसदीय मामिलामन्त्री सिन्हा निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल आवश्यक कानुनी सहायता उपलब्ध करेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । निर्वाचन सम्पन्न करबाक काजमे स्वदेशी वस्तु आ उत्पादनक प्रयोग करबाक लेल ओ आयोगसँ अनुरोध केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय