काठमाण्डू, २७ अगहनः लुम्बिनी लायन्स सुदूरपश्चिम रोयल्सकेँ पराजित करैत दोसर संस्करणक नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)क उपाधि जीतलक अइछ।कीर्तिपुरस्थित त्रिवि अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेट रङ्गशालामे आइ भेल खेलमे लुम्बिनी लायन्स बितल संस्करणक उपविजेता सुदूरपश्चिम रोयल्सकेँ छ विकेटसँ पराजित करैत उपाधि जीतलक अइछ।
सुदूरपश्चिम अइ बेर सेहो उपविजेतामे रूइक गेल अइछ। पहिल संस्करणके फाइनल खेलमे सुदूरपश्चिम जनकपुर बोट्ल्ससँ पराजित भेल छल। अइ बेर उपाधिसहित लुम्बिनी १ करोड़ १० लाख टका प्राप्त केलक। उपविजेता सुदूरपश्चिम ५१ लाख टकामे सन्तोष केलक।
सुदूरपश्चिमद्वारा देल गेल ८६ रनकेँ पाछा करैत लुम्बिनी नौँ ओभरमे चाइर विकेट गुमाबैत लक्ष्य पूरा केलक। लुम्बिनीक लेल दिनेश अधिकारी सर्वाधिक ४२ रनके योगदान देलैन। ओ १३ बलमे एक चौका आ पाँच छक्का मारैत ४२ रनक योगदान कएने छैथ।
ओहिना, डार्शी शर्ट १३ बलमे तीन चौका मारैत १४ रन बनेलैन। कप्तान रोहित पौडेल १२ बलमे दू चौका आ एक छक्का मारैत १६ रन बनेलैन। निरोशन डिक्वेल ११ रनपर अविजित रहल। ओहिना, सन्दिप जोरा शून्यपर आउट भेल अइछ।
बलिङमे सुदूरपश्चिमक हेमन्त धामी दू विकेट, अविनाश बोहोरा आ दिपेन्द्रसिंह ऐरी समान एक-एक विकेट लेलैन। अइसँ पहिने, टस जीत क पहिने ब्याटिङ करबाक निर्णय लेने सुदूरपश्चिम १९.१ ओभरमेसभ विकेट गुमाबैत ८५ रनमे सिमित भेल छल। सुदूरपश्चिमक लेल इशान पाण्डे सर्वाधिक ३३ रन जोड़लैन। ओ ५१ बलमे एक चौकाक सहयोगसँ ३३ रन जोड़लैन।
ओहिना, कप्तान दिपेन्द्रसिंह ऐरी १३ रन, हरमीत सिंह आ स्कट कुगेलिइन समान १०/१० रन जोड़लैन। ताहि बाहेक अन्य ब्याट्सम्यानसभ दू अंक सेहाे नै बना सकल। (रासस)





