विराटनगर । नेपालक ऐतिहासिक नगरी विराटनगरक प्रतिष्ठित मैथिलीभाषी सामाजिक संस्थाक ७मा वार्षिक साधारण सभा रंगी होटल सभागार मे सम्पन्न भेल ।
अध्यक्ष प्रवीण नारायण चौधरीक अध्यक्षता संग प्रमुख अतिथि युवा राजनीतिकर्मी एवं एसोसिएशनक संरक्षक उमेश यादव, विशिष्ट अतिथि अभिभावक-पैतृक संस्था “मैथिली सेवा समिति, विराटनगर” केर अध्यक्ष डा. एस. एन. झा एवं उपाध्यक्ष डा. योगेन्द्र प्रसाद यादवक संग मैथिली विकास अभियानक पूर्व अध्यक्ष इंजीनियर अरविन्द कर्णक उपस्थिति मे कयल गेल सातम वार्षिक साधारण सभा मे एसोसिएशन द्वारा कयल गेल विभिन्न कार्यक्रम एवं उपलब्धिक प्रतिवेदन प्रस्तुत कयल गेल छल । संगहि संस्थाक सम्पूर्ण आर्थिक हर-हिसाब सहितक प्रतिवेदन प्रस्तुतिक संग अनुमोदन सेहो कयल गेल । प्रतिवेदनक प्रस्तुति अध्यक्ष प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा कयल गेल छल, जखन कि संचालन महासचिव राकेश देव कयलनि ।
संस्थाक उपाध्यक्षद्वय आभा अनुपमा एवं पंकज वर्मा द्वारा संस्थाक सक्रियता आ कार्यशैली प्रति पूर्ण सन्तोष जतबैत भविष्य मे सेहो मैथिली समाज प्रति समर्पण भाव मे कार्य निरन्तरता लेल प्रतिबद्धता व्यक्त कयल गेल ।
संस्थाक गतिविधि सँ विराटनगरक मैथिलीभाषी समाजक प्रतिष्ठा बढ़ि रहल अछि, एकर नेतृत्व करनिहार सम्पूर्ण कार्यकारिणी एवं सहयोगी लोकनिक टीम वर्क अत्यन्त सराहनीय अछि, संगहि एसोसिएशन आनहु संस्था सभक संग खुलिकय सहकार्य संस्कृति मे विश्वास रखैत अछि – ई भावना विशिष्ट अतिथि डा. एस. एन. झा रखलनि ।
डा. योगेन्द्र प्रसाद यादव द्वारा एसोसिएशनक स्थापना सँ हाल धरि कुल ७ वर्षक अनुभव अत्यन्त सन्तोषजनक आ समयक मांग अनुसार भ’ रहल कहलनि । इंजीनियर अरविन्द कर्ण मैथिली भाषा, साहित्य, संस्कृति आ समाजक समृद्धिक उत्सव उद्घोषणा संग आगामी पूस १२ आ १३ गते होयबला आयोजन “अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन-२०२५” प्रति सभक संग, सहयोग आ सुझाव समेटिकय बढ़बाक शुभकामना प्रदान कयलनि । एसोसिएशनक कार्यविधि प्रति सन्तोष सेहो व्यक्त कयलनि ।
संस्थाक सचिवद्वय अजय कर्ण एवं भाष्कर चौधरी सहित उपस्थित समस्त कार्यकारिणी पदाधिकारी व सदस्य पूनम सिंह, वन्दना चौधरी, प्रकाश प्रेमी, दीपेन्द्र स्वर्णकार एवं आजीवन सदस्य लोकनि द्वारा अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन २०२५ केर आयोजन मे तन-मन-धन सँ आगू बढ़िकय कार्य करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कयलनि ।
प्रमुख अतिथि उमेश यादव द्वारा संस्थाक साधारण सभा अत्यन्त सफलतापूर्वक सम्पन्न होयबाक सराहना कयलनि । संगहि निकट भविष्य मे ठानल वृहत् आ अन्तर्राष्ट्रीय आयोजनक सफलता लेल सब मिलिजुलि काज करबाक आह्वान कयलनि । अन्त मे धन्यवाद ज्ञापन करैत कार्यक्रमक समापन कयल गेल ।






