काठमाण्डू, २९ अगहनः संयुक्त राष्ट्र संघके आह्वानमे शान्ति स्थापना काजक लेल सेन्ट्रल अफ्रिकन रिपब्लिकमे तैनाथ युद्ध भैरव गण (शान्ति सैनिक) तेसर डफ्फाकेँ बदली करबाक लेल गोरखनाथ गणके शान्ति सैनिकके टोली मिसन इलाका प्रस्थान केलक अइछ ।
चारिम डफ्फाके एक सओ ७५ गोटे शान्ति सैनिकके पहिल टोली रैबदिन राइत ओइदिस प्रस्थान कएने सैनिक जनसम्पर्क तथा सूचना निर्देशनालय जनौलक अइछ । उक्त मिसनमे अपन कार्यकाल सम्पन्न कएने दू सओ २५ गोटे नेपाली शान्ति सैनिक स्वदेश घुरल अइछ ।
अखन उक्त मिसनमे नेपाली सेनाके एक हजार एक सओ ८९ गोटे शान्ति सैनिक कार्यरत रहल नेपाली सेना जनौने अइछ । (रासस)





