एमाले अध्यक्षमे ओली आ पोखरेलक उमेदवारी दर्ता


काठमाण्डू, २९ अगहनः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)के ११म राष्ट्रिय महाधिवेशनमे अध्यक्ष पदक लेल वर्तमान अध्यक्ष केपी शर्मा ओली आ वर्तमान वरिष्ठ उपाध्यक्ष ईश्वर पोखरेल अपन–अपन उमेदवारी दर्ता करौलैन अइछ ।

काठमाण्डूके भृकुटीमण्डपस्थित बन्दसत्र स्थलके केन्द्रीय निर्वाचन आयोगके कार्यालयमे दूनु गोटे समर्थकसहित जा क आइ अपन उमेदवारी दर्ता करौलैन । अध्यक्ष ओली दुपहर ३ः३० बजे आ वरिष्ठ उपाध्यक्ष पोखरेल करिब ३ बजे अध्यक्ष पदक लेल उमेदवारी दर्ता करौलैन ।

महाधिवेशनमे विभिन्न पदाधिकारी आ केन्द्रीय सदस्यक लेल उमेदवारी मनोनयन दर्ताके काज जारी अइछ । उमेदवारी मनोनयनके समय अइसँ पहिने ३ः३० बजेधैर कायम कएल गेलमे उमेदवारक लाइन कायम भेलासँ किछ समय लम्बियाएल अइछ । एमाले महाधिवशेन ३ सओ १ सदस्यीय नयाँ कार्यसमिति चयन करत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय