काठमाण्डू, २ पुसः सोनाचाँदीके दाम निरन्तर बइढ़ रहल अइछ । मङ्गलदिनके तुलनामे आइ सोना तोलामे ७ सओ टका आ ओएह परिमाणक चाँदी १ सओ ७० टकासँ बढ़ल अइछ ।
नेपाल सुनचाँदी व्यवसायी महासङ्घक अनुसार आइ एक तोला सोनाके दाम दू लाख ५९ हजार ७ सओ टका कायम भेल अइछ, तँ एक तोला चाँदीके दाम चाइर हजार ५५ टका निर्धारण भेल अइछ ।
मङ्गलदिन सोनाके दाम प्रतितोला दू लाख ५९ हजार टका निर्धारण भेल छल, तँ एक तोला चाँदी तीन हजार ८ सओ ८५ टकामे किनबेच भेल छल ।
अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे आइ एक औँस सोना चाइर हजार ३ सओ ३० आ ओएह परिमाणक चाँदी ६५ अमेरिकी डलरमे किनबेच भ रहल अइछ । (रासस)





