देशक विकासके लेल सरकार आ निजी क्षेत्र बीच सहकार्य आवश्यकः उपराष्ट्रपति यादव


पाटन (ललितपुर), ३ पुसः उपराष्ट्रपति राम सहाय प्रसाद यादव देशक विकासके लेल सरकार आ निजी क्षेत्र बीच सहकार्य आ समवंयके आवश्यकता भेल बतौलैन अइछ ।

अर्थतन्त्रके दीर्घकालीन विकासक लेल निजी क्षेत्रसँ संवाद करबाक उद्देश्यसँ गोरखापत्र संस्थानके आयोजन आ गोरखापत्र एकेडेमीके संयोजनमे आइ आयोजित ‘गोरखापत्र डिस्कोर्स’कार्यक्रममे उपराष्ट्रपति यादव गोरखापत्र बहसमार्फत नेपालक आर्थिक पुरुत्थान, लगानीसम्बन्धी बहस, भविष्यके विकास रणनीति, स्मार्ट पूर्वाधार विकास आ व्यवस्थापन, निजी क्षेत्रके आत्मविश्वासलगायत महत्त्वपूर्ण विषयमे परामर्श भेनाइ सकारात्मक कदम भेल धारणा व्यक्त केलैन ।

“ई परामर्श तथा विमर्श बहससँ देशक समग्र अर्थतन्त्रके अवस्था, चुनौती आ संभावनासहितक सरकारके प्रयास तथा निजी क्षेत्रके अपेक्षाके विश्लेषण करैत ठोस निष्कर्षमे पहुँचत से विश्वास अइछ । युवा पुस्ता जेनजीके आन्दोलनक बाद नेपालक अर्थतन्त्र आ नीतिगत सुधारक विषयमे परामर्श हएत सेहाे विश्वास अइछ । देशक हितमे सरकार आ निजी क्षेत्रके मिल क आगु बढ़बाक आवश्यकता छै”, उपराष्ट्रपति यादव कहलैन ।

पारदर्शिता, सुशासन भ्रष्टाचारमुक्त समाज, सरल सार्वजनिक सेवा प्रवाह आ देश भीतर रोजगारी सिर्जनाके माँगसहित जेनजी आन्दोलन भेल उल्लेख करैत ओ उक्त आन्दोलनक बाद आगामी कार्यदिशाके बारेमे परमर्श करबाक लेल गोरखापत्र आयोजन कएने ई कार्यक्रम महत्त्वपूर्ण होबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।

गोरखापत्र इतिहासक जीवन्त दस्तावेज भेल कहैत उपराष्ट्रपति यादव गोरखापत्रके योगदान राष्ट्रिय एकतामे सेहो विशेष भेल उल्लेख केलैन । बैंक तथा वित्तीय क्षेत्रमे जमा भेल पुँजीकेँ आर्थिक विकासमे लगेबापर ओ जोड़ देलैन । कृषि आ पर्यटनमे लगानी बढ़ौलाक बाद आर्थिक विकास गति लेबाक ओ विश्वास व्यक्त केलैन ।

गोरखापत्र आयोजन कएने बहससँ सरकार, नीति निर्माता आ निजी क्षेत्रकेँ एकेटा मञ्चपर आनए लेल सहायक सिद्ध भेल उपराष्ट्रपति यादव धारणा व्यक्त केलैन ।

नेपालक आर्थिक पुनरुत्थान, लगानी करबाक वातावरण आ भविष्यके विकास रणनीतिके बारेमे उच्चस्तरीय राष्ट्रिय बहसके लेल निजी क्षेत्र, विज्ञ, नीतिनिर्माता आ सरोकार भेल निकायको प्रतिनिधि बीच सझिया मञ्च सिर्जना क चुनौती आ अवसरके पहिचान करबाक उद्देश्यसँ गोरखापत्र संस्थान आयोजन कएने ‘गोरखापत्र डिस्कोर्स’ ललितपुरमे भ रहल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय