काठमाण्डू, ३ पुसः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)के अध्यक्षमे केपी शर्मा ओली विजयी भेल छैथ । ओ अपन प्रतिद्वन्द्वी ईश्वर पोखरेलकेँ भारी मतसँ पराजित करैत जीत हासिल केलैन अइछ ।
केन्द्रीय निर्वाचन आयोगक अनुसार नेता ओली एक हजार ६ सओ ६३ मत प्राप्त केलैन अइछ । अध्यक्ष पदक दोसर प्रत्यासी पोखरेल पाँच सओ ६४ मत मात्रे प्राप्त केलैन ।
तहिना, महासचिवमे शङ्कर पोखरेल एक हजार २ सओ २८ मतसँ विजयी भेल छैथ । हुनक प्रतिस्पर्धी सुरेन्द्र प्रसाद पाण्डेके ९ सओ ९९ मत प्राप्त भेल छैन ।
केन्द्रीय निर्वाचन आयोगक अनुसार उपाध्यक्षमे पृथ्वी सुब्बा गुरुङ १ हजार ७ सओ ३७ मत, विष्णु प्रसाद पौडेल १ हजार ६ सओ ७५ मत, राम बहादुर थापा १ हजार ५ सओ १६ मत, गोकर्णराज विष्ट १ हजार ३ सओ ६८ मत आ रघुजी पन्त १ हजार २ सओ ५८ मतसँ विजयी भेल छैथ ।
तहिना, उपमहासचिवमे लेखराज भट्ट १ हजार ४ सओ ५२ मत, रघुवीर महासेठ १ हजार ३ सओ ६८ मत आ योगेश भट्टराई १ हजार ३ सओ ४८ मतसँ विजयी भेल छैथ ।
तहिना, सचिवमे महेश बस्नेत १ हजार ५ सओ ४४ मत, छविलाल विश्वकर्मा १ हजार ५ सओ ६ मत, पद्मा कुमारी अर्याल १ हजार ५ सओ ३० मत, शेरधन राई १ हजार ५ सओ ३ मत, हिक्मत कुमार कार्की १ हजार ३ सओ ३७ मत, खगराज अधिकारी १ हजार ३ सओ ३१ मत, यमलाल कँडेल १ हजार १ सओ ८५ मत, राजन भट्टराई १ हजार १ सओ ८१ मत आ भानुभक्त ढकाल १ हजार १ सओ ८ मतसँ विजयी भेल छैथ । रासस





