बर्दिबासमे सौर्य ऊर्जा जड़ानक काज सुरु


महोत्तरी, ४ पुसः बर्दिबास नगरपालिका–६ चौलिखामे २० मेगावाट विद्युत् उत्पादन होएबला सौर्य ऊर्जा जड़ानक काज सुरु भेल अइछ । टेरा सोल इनर्जी कम्पनी नेपाल विद्युत् प्राधिकरणके स्वीकृत परियोजनाअनुसार उक्त आयोजनाक काज सुरु केलक अइछ ।

छ महिना भीतर विद्युत् उत्पादन करबाक लक्ष्य राखल गेल उक्त आयोजनाके लागत एक अरब २० करोड़ टका अइछ । बर्दिबास–६ आ ७ के ८० सँ बेसी कृषकके ४० बिगहा जमीन ३० सालके भोगाधिकारसहित भाड़ामे ल क निर्माण कम्पनी काज सुरु कएने अइछ ।

छ महिना भीतर २० मेगावाट विद्युत् उत्पादन क नेपाल विद्युत् प्राधिकरण ढल्केवर ग्रिड महाशाखाकेँ हस्तान्तरण कएल जेबाक लक्ष्यसँ काज सुरु कएल गेल निर्माण कम्पनीके कार्यकारी निर्देशक पूजा चन्द बतौलैन । आयोजना निर्माणक शुभारम्भ मधेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव वृहस्पैतदिन एक समारोहके बीच केलैन ।

निर्माण सुरु कएल गेल सौर्य ऊर्जा जड़ानक काज निर्धारित समयमे सम्पन्न क विद्युत् उत्पादन करबाक योजना रहल चन्द बतौलैन । “हमसभ काज सुरु क चुकल छी । छ महिना भीतर उत्पादन होबाक अपेक्षा अइछ । उत्पादित विद्युत् ढल्केवर ग्रिड महाशाखाकेँ उपलब्ध कराओल जाएत”, ओ कहलैन, “अइ ठाम उत्पादन होएबला सौर्य ऊर्जाके विद्युत् महोत्तरी आ धनुषाक १० हजारसँ बेसी परिवारक उपयोगमे आओत ।”

काज सुरु भेलाक बाद चौलिखा लगपासके कृषक खुसी भेल अइछ । “हमरासभक लेल स्थानीयस्तरमे पैघ आयोजनाक काज सुरु कएल गेल छै । हमसभ खुसी छी”, बर्दिबास–७ के जगन्नाथ महतो कहलैन, “सिँचाइ नै भेल जमीनक उपयोग होबाक सङे हमरासभकेँ आर्थिक लाभ सेहो भेल अइछ ।” कम्पनी प्रतिकट्ठा जमीनके सालके चाइर हजार २ सओ ५० टका भाड़ा देत आ प्रत्येक दू सालमे १० प्रतिशत वृद्धि करत से सम्झौता भेल ओ जानकारी देलैन ।

उक्त सम्झौता कम्पनी आ कृषक बर्दिबास–६ वाड समितिक कार्यालयके रोहबरमे कएल गेल अइछ । आयोजनाअन्तर्गत चाइरटा ट्रान्सफर्मर, ६८ टा इन्भर्टर आ तीन लाख ३३ हजार सौर्य (सोलर) प्यानल लागत से कम्पनी जनौने अइछ । सौर्य ऊर्जा जड़ानसँ वातावरणमे प्रतिकूल प्रभाव नै होबाक आ कम झन्झटबला हएत से विद्युत् क्षेत्रके विज्ञसभक कहब छैन ।

“ई हमरासभ लग एकदम कम समयमे सफल होएबला आयोजना छै, सौर्य ऊर्जा प्लान्ट जड़ानमे वातावरणीय प्रतिकूलता नै होबाक आ कम समयमे उत्पादन लेबाक लेल ई प्रभावकारी हएत”, ढल्केवर ग्रिड महाशाखाके प्रमुख श्रीनारायण मण्डल कहलैन, “अइसँ निर्धारित समयमे उत्पादन भ हमरासभकेँ प्राप्त होएबला विद्युत् महोत्तरी आ धनुषाक सर्वसाधारण उपभोग करत ।”

आयोजनाके शिलान्यास करैत मुख्यमन्त्री यादव देशक परिप्रेक्षमे विद्युतीय ऊर्जा समृद्धिके मुख्य आधारमध्ये एक भेल उल्लेख केलैन । आयोजना सम्पन्न करबाक लेल प्रदेश सरकारक दिससँ आवश्यक सहयोग आ समवंय कएल जेबाक ओ प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।

“एहन आयोजनाकेँ आवश्यक होएबला सब सहयोग प्रदेश सरकार करत”, मुख्यमन्त्री यादव कहलैन, “हमसभ एहन अन्य आयोजनाके स्वागतके लेल तैयार छी ।” ई आयोजना निर्माणक सुरुआतसँ महोत्तरीके उत्तरी भेगके नागरिक रोजगारीके अवसर सेहो प्राप्त करत कहैत ओ रोजगारीके लेल स्थानीयकेँ प्राथमिकता देबाक लेल निर्माण कम्पनीसँ अनुरोध केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय