मुख्यमन्त्री यादवकेँ पुरे सदनक विश्वास मत


जनकपुरधाम । मधेश प्रदेश सभामे प्रतिनिधित्व कइररहल सब दलक समर्थन पाइब मुख्यमन्त्री कृष्णप्रसाद यादव पूरा सदनसँ विश्वास मत प्राप्त कएलक अइछ ।
शुक्र दिन भेल प्रदेश सभा बैठकमे उपस्थित ९२ सांसद सभ यादवकेँ विश्वास मत देलैन । प्रदेश सभामे रहल १० वटै दलके सांसद समर्थन जनेलाक बाद मुख्यमन्त्री यादव सर्वसम्मत रूपेँ विश्वास मत हासिल कएलैन । सत्तापक्षीय दल सबहक संगे प्रमुख प्रतिपक्षी नेकपा एमाले सेहो यादवकेँ विश्वास मत देलक ।
मत विभाजन प्रक्रिया पूरा भेलाक बाद उपसभामुख बबिता राउत इशर मुख्यमन्त्री यादव विश्वास मत पाइब गले से घोषणा कएलैन । नेपाली कांग्रेस नेतृत्वक सातदलीय गठबन्धनमे सहभागी जसपा नेपाल, जनमत पार्टी, नेकपा माओवादी केन्द्र, लोसपा, नेकपा एकीकृत समाजवादी आ नागरिक उन्मुक्ति पार्टी यादवके समर्थन केलक अइछ ।
एकर अतिरिक्त सत्ता बाहर रहल एक–एक सीटवाला राप्रपा नेपाल आ नेपाल संघीय समाजवादी पार्टी सेहो विश्वास मत देलक अछि ।
उल्लेखनीय अछि जे गत मंसिर १९ गते सातदलीय गठबन्धनक समर्थनमे नेपाली कांग्रेस संसदीय दलक नेता कृष्णप्रसाद यादव मुख्यमन्त्री नियुक्त भेल रहैथ । हुनकर मंसिर २१ गते पद तथा गोपनीयताक शपथ ग्रहण भेल छल ।

ताजा खबर
लोकप्रिय