जनकपुरधाम । जनकपुरधामक जेष्ठ क्लव रामानन्द युवा क्लवद्वारा विशिष्ट योगदान देनिहार तीन व्यक्तित्वकेँ विद्यापति स्मृति पदक २०८२ सँ सम्मानित कएल गेल अइछ ।
पत्रकारिता तथा साहित्य क्षेत्रमा विशिष्ठ योगदान देनिहार नित्यानन्द मण्डल, खेलकुद क्षेत्रमे निरन्तर योगदान देनिहार क्रिकेट प्रशिक्षक नवीन सिंह आ’ कला क्षेत्रमे दीर्घ सेवा प्रदान कएनिहार तबलावादक मिथिलेश झाकेँ सम्मान आ’ पुरस्कारसँ विभुषित कएल गेल अइछ । क्लबक ४०अम् वार्षिकोत्सव एवम् पुरस्कार वितरण समारोहक बीच शइन दिन आयोजित समारोहमे हुनका सबकेँ मधेश प्रदेशक प्रदेश प्रमुख डा. सुरेन्द्र लाभद्वारा सम्मानित कएल गेल अइछ ।
क्लबक अध्यक्ष शशिभूषण झाकेँ अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रममे जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक प्रमुख मनोज कुमार साह, पूर्व अध्यक्षलोकनि, नागरिक समाजक अगुवा आ युवा लोकैन सहित विशिष्ठ व्यक्तित्व सबहक गरिमामय उपस्थिति छल ।





