जनकपुरधाम । विगत किछु समयस’ रिक्त रहल मधेश प्रदेशसभाक सभामुख पद पर जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपालक रामआशिष यादव आइतबार निर्वाचित भेल छइथ ।
प्रदेशसभा बैठकमे मत विभाजन प्रक्रिया मार्फत यादव सभामुख चुनल गेल छइथ । बैठकमे कुल ९६ गोटे सांसद उपस्थित रहल, जाहिमेसँ यादवक पक्षमे ७२ मत आ विपक्षमे २४ मत परल । सातदलीय गठबन्धनक दिससँ यादवकेँ सभामुख निर्वाचित कएल जाए, एहन प्रस्ताव नेपाली कांग्रेसक सांसद वीरेन्द्रप्रसाद सिंह पेश कएलैन ।
प्रदेशसभामे आवश्यक बहुमत सँ बेसी मत प्राप्त भेलाक बाद उपसभामुख बबिता राउत इशर यादवकेँ सभामुख पद पर निर्वाचित भेल घोषणा कएलक अइछ ।
नवनिर्वाचित सभामुख यादव धनुषा निर्वाचन क्षेत्र नं. २ (ख) सँ दोसर बेर प्रदेशसभा सदस्य निर्वाचित भेल छइथ । अइसँ पहिले ओ जनता समाजवादी पार्टी नेपालक प्रमुख सचेतक छल । सामाजिक गतिविधिमे सक्रिय रहल यादव सरसफाइ आ पर्यावरण संरक्षण अभियानमे सेहो सक्रिय छइथ ।





