काठमाण्डू, ७ पुसः सरकार अनलाइन टेलिभिजनके दर्ता आ सूचीकरणके काज करए लागल अइछ । संचार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेल अनलाइन टेलिभिजन तथा अनलाइन पत्रकारिताके पेसागत सुरक्षा आ संस्थागत विकासक लेल दर्ता आ सूचीकरणके काज तत्काल सुरु करबाक बतौलैन ।
अनलाइन टेलिभिजन पत्रकारसभसँ रैबदिन मन्त्रालयमे भेल बातचितक क्रममे ओ अनलाइन टेलिभिजन आ ओइमे कार्यरत पत्रकारकेँ मूलधारके संचार माध्यमजँका राज्यसँ देल जाएबला सुविधा उपलब्ध करेबाक लेल सरकार प्रतिबद्ध रहल बतौलैन ।
अनलाइन टेलिभिजन आ ओइमे कार्यरत संचारकर्मीके यकिन तथ्याङ्क सेहो सरकार सङे नै भेलाक कारण लोककल्याणकारी विज्ञापनलगायत राज्यके दिससँ उपलब्ध होएबला सुविधासँ वञ्चित होबाक अवस्था आएल संचारमन्त्री खरेल उल्लेख केलैन । अइ अवस्थाके अन्त्य करबाक लेल सरकार अनलाइन टेलिभिजन दर्ता आ सूचीकरणके काज तत्काल सुरु करत से मन्त्री खरेलक कहब छलैन ।
बातचितमे संचार तथा सूचना प्रविधि मन्त्रालयके सचिव राधिका अर्याल अनलाइन टेलिभिजनलगायत संचारमाध्यमके सहजताके लेल सरकार आवश्यक काज क रहल बतौलैन । काठमाण्डू उपत्यका बाहरसँ संचालन होएबला संचारमाध्यमक सेवाकेँ सहज बनेबाक लेल जिलास्थित हुलाक कार्यालयमार्फत दर्ता, नवीकरण जेहन काज करैजँका कानुनी सुधारक काज मन्त्रालयद्वारा आगु बढ़ाएल गेल ओ जानकारी देलैन ।
कार्यक्रममे सहभागी अनलाइन टेलिभिजन संचालक, व्यवस्थापक तथा पत्रकारसभ अनलाइन दर्ता तथा संचालनसम्बन्धी स्पष्ट कानुनी व्यवस्था नै भेलाक कारण हमरासभ लोककल्याणकारी विज्ञापन जेहन राज्यके सुविधा नै ल सकल समस्या सुनौनै छल । (रासस)





