काठमाण्डू, ७ पुसः मिराज ढुङ्गाना नेतृत्वक जेनजी समूहके आह्वानमे माइतीघर मण्डलामे आयोजित विरोध प्रदर्शनमे सहभागी भेल आठ गोटेकेँ आइ प्रहरी नियन्त्रणमे लेलक अइछ ।
जिला प्रशासन कार्यालयके अनुमति बिना माइतीघर मण्डला क्षेत्रमे कोनो प्रकारक सभा, विरोध, धर्ना, जुलुश जेहन कार्यक्रम नै क सकबाक कानुनी व्यवस्था उल्लङ्घन क प्रदर्शनमे सहभागी भेल आरोपमे रवि किरण हमालसहितक युवाकेँ प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अइछ । जेन्जी समूहद्वारा उठाएल गेल माँग, मुद्दा संबोधन नै भेल कहैत माइतीघर मण्डला क्षेत्रमे नाराबाजीसहित प्रदर्शन क रहल आठ गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेल गेल जिला प्रहरी परिसर काठमाण्डूके प्रवक्ता एवं प्रहरी उपरीक्षक पवन कुमार भट्टराई जानकारी देलैन । (रासस)





