राष्ट्रिय सभा सदस्य निर्वाचनक लेल सातो प्रदेशमे निर्वाचन अधिकृत नियुक्त


काठमाण्डू, ९ पुसः निर्वाचन आयोग राष्ट्रिय सभा सदस्यके निर्वाचनक लेल सातो प्रदेशमे निर्वाचन अधिकृत नियुक्त केलक अइछ ।

अइगला माघ ११ गते होएबला निर्वाचनक लेल राष्ट्रिय सभा सदस्य निर्वाचन ऐन, २०७५ के दफा ७ बमोजिम सात गोटे जिला न्यायाधीशकेँ इएह पुस १५ गतेसँ लागू होएजँका निर्वाचन अधिकृत नियुक्त कएल गेल अइछ ।

आयोगक अनुसार निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय कोशी प्रदेशके लेल मोरङ जिला अदालतक न्यायाधीश भीष्मराज प्रसाईंकेँ नियुक्त कएल गेल अइछ ।

तहिना, निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय मधेश प्रदेशक लेल धनुषा जिला अदालतक न्यायाधीश सुभास बाबु पुरी, निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय बागमती प्रदेशक लेल मकवानपुर जिला अदालतक न्यायाधीश गीता श्रेष्ठकेँ नियुक्त कएल गेल अइछ ।

आयोगक अनुसार निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय गण्डकी प्रदेशक लेल कास्की जिला अदालतक न्यायाधीश हिमलाल बेल्वासे, निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय लुम्बिनी प्रदेशक लेल दाङ जिला अदालतक न्यायाधीश प्रकाश प्रसाद पण्डित, निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय कर्णाली प्रदेशक लेल सुर्खेत जिला अदालतक न्यायाधीश दीपक ढकालकेँ नियुक्त कएल गेल अइछ ।

आयोगक सहसचिव तथा प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराईके कहब अनुसार निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय सुदूरपश्चिम प्रदेशक लेल कैलाली जिला अदालतक न्यायाधीश भुवनसिंह थापाकेँ नियुक्त कएल गेल अइछ ।

नियुक्त निर्वाचन अधिकृतसभक इएह पुस १६ गते सम्बन्धित प्रदेशके प्रदेश निर्वाचन कार्यालयमे निर्वाचन अधिकृतक कार्यालय स्थापना करबाक कार्यक्रम रहल आयोगक कहब अइछ । (रासस)
–––

ताजा खबर
लोकप्रिय