वीरगञ्ज नाकासँ पाँच महिनामे ७२ अरबके पेट्रोलियम पदार्थ आयात


वीरगञ्ज (पर्सा), ९ पुसः वीरगञ्ज नाकासँ चालु आर्थिक वर्षके पाँच महिनामे ७२ अरब २८ करोड़ टकाके पेट्रोलियम पदार्थ आयात कएल गेल अइछ । वीरगञ्ज भंसार कार्यालय पाँच प्रकारक पेट्रोलियम पदार्थके आयातसँ ओइ अवधिमे ३० अरब २५ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ ।

वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके सूचना अधिकृत उदयसिंह विष्ट चालु आर्थिक वर्षके पाँच महिनामे पेट्रोलियम पदार्थके आयात बढ़लासँ राजस्व सेहो वृद्धि भेल बतौलैन ।

बितल आर्थिक वर्षके पाँच महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षके ओएह अवधिमे ६.४२ प्रतिशत अर्थात् एक अरब ८३ करोड़ टका बेसी राजस्व सङ्कलन कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके पाँच महिनामे ६९ अरब १५ करोड़ टकाके पाँच प्रकारक पेट्रोलियम पदार्थके आयात कएल गेल छल । चालु आर्थिक वर्षके पाँच महिनामे वीरगञ्ज नाकासँ ३५ अरब ३१ करोड़ टकाके डिजेल आयात कएल गेल अइछ ।

तहिना, १७ करोड़ ३६ लाख टकाके पेट्रोल आ १२ अरब १७ करोड़ टकाके एलपी ग्यासके सेहाे आयात कएल गेल अइछ । तहिना, सात अरब २५ करोड़ टकाक एटिएफ आ १९ करोड़ टकाक मट्टितेल आयात कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय