काठमाण्डू, ९ पुसः कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त रामप्रसाद भण्डारी आवश्यक सम्पूर्ण तैयारी भ रहलासँ आब प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचन हेतै/नै हेतै से बहस निरर्थक रहल बताैलैन अइछ ।
अगिला फागुन २१ गते तय कएल गेल प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनक लेल समानुपातिक प्रणालीदिसके बन्दसूचीक विषयमे राजनीतिक दलक लेल निर्वाचन आयोगद्वारा आयोजित दू दिवसीय अभिमुखीकरणके समापनसत्रकेँ आइ सम्बोधन करैत कार्यबाहक प्रमुख आयुक्त भण्डारी अखनके अवस्थामे निर्वाचन निर्विकल्प समाधान भेल बतौलैन । ओ निर्वाचनके राजनीतिक मुद्दा राजनीतिक रुपमे हल आ आयोग राजनीतिक तथा कानुनीरुपमे हल भेल विषयकेँ शिरोपर कएल जेबाक स्पष्ट केलैन ।
“आयोग कहुनाक निर्वाचन कराबए लेल तल्लिन छै । हमरासभसँ निर्वाचन बाहेक बाकी कोनो जिद्द नै छै । जेनजी विद्रोहके बाद राजनीतिक अवस्थामे समयमे निर्वाचन नै भेल तँ कि हएत से अन्योल सेहो बढत। तए निर्वाचन निर्विकल्प छियै”, कार्यवाहक प्रमुख आयुक्त भण्डारी कहलैन, “संविधानकेँ नियमिततामे अनबाक लेल सेहो निर्वाचन आवश्यक छै । हम सबटा दलकेँ निर्वाचनमे बढ़िया उम्मेदवार छनाैट क देशमे सुशासन कायम करेबाक लेल आग्रह करैत छी ।”
कार्यवाहक प्रमुख आयुक्त भण्डारी समानुपातिकके बन्दसूची पेश करैत काल जाइत, भाषा, वर्ग आ भूगोल सबकेँ प्रतिनिधित्व होएबला प्रतिनिधि पेश आग्रह करैत निर्वाचन आचारसंहिताके पूर्णपालनाक लेल सेहो स्मरण करेलैन । ओ दलसभकेँ निषेधके राजनीति नै क सबकेँ स्वच्छ, स्वतन्त्र, निष्पक्ष आ भयरहित रुपमे निर्वाचन प्रचारप्रसारके वातावरण बनेबाक लेल आग्रह केलैन ।
आयोगक आयुक्तद्वय डा जानकी कुमारी तुलाधर आ सगुनशमशेर जबरा तथा सचिव कृष्णबहादुर राउत, प्रवक्ता नारायणप्रसाद भट्टराईसहित उपस्थित कार्यक्रममे मङ्गलदिन आ बुधदिन क सामानुपातिक प्रणालीदिस निर्वाचनमे दर्ता भेल ९३ दलके दू/दू प्रतिनिधि सहभागी छल । सहभागीकेँ निर्धारित प्रतिशतमे समावेशीताक आधारमे उम्मेदवार सिफारिस करैत काल अपनेबाक विधि आ पद्धतिक सम्बन्धमे कानुन तथा तथ्याङ्कसम्बन्धी विज्ञ प्रशिक्षण देने छल ।
राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल मन्त्रिपरिषद्के सिफारिसमे शुक्रदिन प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचन (पहिल संशोधन) अध्यादेश, २०८२ जारी कएलाक बाद २०७८ सालके जनगणनाके प्रतिवेदनबमोजिमके दलित, आदिवासी जनजाति, खस आर्य, मधेशी, थारु, मुस्लिमके जनसङ्ख्या प्रतिशतके आधारमे दलसभ बन्दसूचीके समावेशीता कायम क सूची पेश करबाक चाही । समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिस राष्ट्रिय जनगणना २०७८के जनसङ्ख्याक आधारमे उक्त प्रणालीक लेल आवेदन देल राजनीतिक दल इएह पुस १३ आ १४ गते भोर १०ः०० बजेसँ दुपहर ४ः०० बजेधैर उम्मेदवारके बन्दसूची पेश करबाक समयसीमा तोकल गेलासँ आयोग तकर पूर्ण तैयारीमे रहल प्रवक्ता भट्टराई जानकारी देलैन अइछ । (रासस)





