त्रिभुवन विश्वविद्यालयसँ १६ हजार ३८० विद्यार्थी दीक्षित


कीर्तिपुर (काठमाण्डू), १० पुसः त्रिभुवन विश्वविद्यालयक ५१म् दीक्षान्त समारोह आइ राजधानीमे सम्पन्न भेल अइछ । अइ साल विभिन्न तहमे उत्तीर्ण भेल ८९ हजार १९१ विद्यार्थीमध्ये १६ हजार ३८० गोटे दीक्षित भेल अइछ । आइ काठमाण्डूमे आयोजित दीक्षान्त समारोहमे स्नातकसँ विद्यावारिधिधैरके शैक्षिक उपाधिसहित १६ हजार ३८० गोटे विद्यार्थी दीक्षित भेल छैथ ।

स्नातक तहके ११ हजार २३४, अधिस्नातक १४, स्नातकोत्तरके चाइर हजार ८६०, दर्शनाचार्य (एमफिल) के १२० आ विद्यावारिधिके १५२ विद्यार्थी आइ दीक्षान्त समारोहमे सहभागी भेल छलैथ। कार्यक्रममे विभिन्न सङ्कायसँ सर्वोच्च नतिजा आएल २२ गोटे विद्यार्थीकेँ दीक्षान्त पदक प्रदान कएल गेल छल ।

समारोहकेँ सम्बोधन करैत प्रधानमन्त्री एवम् विश्वविद्यालयके कुलपति सुशीला कार्की ज्ञानकेँ सेवासँग, सीपकेँ सदाचारसँ आ सफलतासँ समाजमे योगदान देल जेबाक आह्वान केलैन । ओ चाइर लाखसँ बेसी विद्यार्थी रहल त्रिभुवन विश्वविद्यालयमे प्राध्यापक–विद्यार्थीके अनुपात कायम करैत गुणस्तरीय शिक्षा देबाक चुनौती रहल बतौलैन ।

समारोहक प्रमुख अतिथिक रूपमे रहल भौतिक शास्त्रदिस सन् २०१५के नोबेल पुरस्कार विजेता प्राध्यापक डा ताकाआकी काजिता स्वयं विद्यावारिधि प्राप्त कएलाक बादो निरन्तर खोज, अनुसन्धान आ अध्ययन करैत रहलापर नोबेल पुरस्कर प्राप्त करबाक क्षमता विकास भेल बतौलैन ।

समारोहमे शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधि मन्त्री एवम् विश्वविद्यालयके सहकुलपति महावीर पुन दुनियामे ‘अहाँ लग कोन डिग्री छै ?’ ताहिसँ बेसी ‘अहाँ कि सकैत छियै ?’ से बात पुछत, तँए अपन ज्ञान आ सीपकेँ समाज परिवर्तनमे लगेबाक जोड़ देलैन ।

विश्वविद्यालयक उपकुलपति प्राडा दीपक अर्याल विद्यार्थीके उज्वल भविष्यके सुरूवात दीक्षान्तसँ होइत छै कहैत स्वयंके सैद्धान्तिक ज्ञान व्यवहारमे कार्यान्वयन करैत जेबाक विचार व्यक्त केलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय