अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन काइलसँ बिराटनगरमे


मोरङ १० पुसः मैथिली भाषा–साहित्य, मिथिला संस्कृति, सभ्यताके संरक्षण, सम्वर्धन करबाक लेल काइलसँ विराटनगरमे दू दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन–२०२५ सुरू भ रहल अइछ ।

मैथिली एशोसिएसन नेपाल तथा मैथिली सेवा समिति विराटनगरद्वारा इएह पुस १२ आ १३ गते होएबला सम्मेलनमे नेपाल–भारतसहित अन्य देशक एक सओसँ बेसी मैथिली भाषी प्रतिनिधिके सहभागिता रहबाक आयाजक जनौलक अइछ ।

आयोजक मैथिली एसोसिएसनके अध्यक्ष प्रवीणनारायण चौधरीक अनुसार सम्मेलनमे वृहतस्तरके बौद्धिक विमर्श, कवि सम्मेलन, मिथिला समाजके विविध सांस्कृतिक झाँकीसभ प्रदर्शन कएल जाएत । तहिना मैथिली भाषा–साहित्यमे प्रकाशित पुस्तक प्रदर्शनी, मिथिला चित्रकला प्रदर्शनी, मिथिलाके पैराणिक परम्परा वेदपाठ, शङ्घघोषके प्रस्तुति, मिथिला खानाके परिकारके प्रदर्शनी, लोकनृत्य, लोकगीत, कवि सम्मेलन आदि सहित विभिन्न कार्यक्रम सेहो समावेश रहल जनाएल गेल अइछ ।

‘भाषे मानव जीवनके मूल आधार छी, अपन भाषा पहिने अपने बचाबी, भाषा जीयत तँ मात्रे सभ्याता जीयत’ कहल जाएबला मूलमन्त्रके साथ सम्मेलनमे ११ टा महत्वपूर्ण विषयमे संवाद होबाक आयोजक संस्थाक उपाध्यक्ष पकज बर्मा जानकारी देलैन । मैथिली एसोसिएसद्वारा विगतमे सेहो मैथिली केन्द्रित विभिन्न सम्मेलन करैत आएल अइछ। कोशी प्रदेशमे कामकाजमे मैथिली आ लिम्बू भाषाके समेटबाक लेल एसोसिएसन पहल करैत रहल अइछ। सम्मेलनके माध्यमसँ विश्वभैरके १० करोड़ मैथिली भाषीकेँ विभिन्न माध्यमसँ जोड़बाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय