चन्द्रपुर (रौतहट), १४ पुसः आसन्न प्रतिनिधि सभा निर्वाचनक लेल जिलामे एक मतदाता स्थलसहित १८ केन्द्र बढ़ाएल गेल अइछ । जिला निर्वाचन कार्यालयलके अनुसार २०७९ सालमे भेल प्रतिनिधि सभाके निर्वाचनक तुलनामे आगामी फागुन २१ गते होएबला निर्वाचनमे मतदाताकेँ आओर सहज बनेबाक लेल केन्द्र आ स्थल बढ़ाएल गेल अइछ ।
वि.सं. २०७९ के प्रतिनिधि सभाके निर्वाचनमे जिलामे पाँच सओ २३ मतदान केन्द्र छल, तँ अइ साल १८ टा बढ़ौलाक बाद पाँच सओ ४१ टा मतदान केन्द्र कायम भेल जिला निर्वाचन कार्यालय रौतहटके प्रमुख छोटेलाल दास जानकारी देलैन ।
तहिना, वि.सं. २०७९ के प्रतिनिधि सभाके निर्वाचनमे दू सओ ७६ टा मतदानस्थल कायम छल, तँ अइ साल एकटा स्थल बढ़ा क दू सओ ७७ टा स्थल कायम कएल गेल ओ बतौलैन । हुनक कहब अनुसार गरुडा नगरपालिका–६ मे नयाँ मतदानस्थल बढ़ाएल गेल अइछ । जिलामे २१ हजार एक सओ ५६ नयाँ मतदाता सूचीकृत भेल अइछ ।
जिला निर्वाचन कार्यालय रौतहटके प्रमुख दासके कहब अनुसार रौतहटमे अखन चाइर लाख ३६ हजार ६ सओ ११ गोटे मतदाता अइछ । मतदाता बढ़लाक बाद मतदानस्थल आ मतदान केन्द्र सेहो बढ़ाएल गेल कार्यालय प्रमुख दास जानकारी देलैन ।
वि.सं. २०७९ के प्रतिनिधि सभाके निर्वाचनमे चाइर लाख १५ हजार चाइर सओ ५५ गोटे मतदाता छल । दू गाउँपालिका आ १६ नगरपालिका भेल जिलामे चाइरटा प्रतिनिधि सभा निर्वाचन क्षेत्र अइछ । जइमे एक सओ ५७ टा वाड अइछ ।
वि.सं. २०७९ के निर्वाचनमे क्षेत्र नं. १ सँ तत्कालीन नेकपा एसके दिससँ माधव कुमार नेपाल, क्षेत्र नं. २ सँ स्वतन्त्र किरण साह, क्षेत्र नं. ३ सँ आजपा अध्यक्ष प्रभु साह आ क्षेत्र नं. ४ सँ नेपाली कांग्रेसक देव प्रसाद तिमल्सिना निर्वाचित भेल छलैन । उक्त निर्वाचनमे चाइर लाख १५ हजार चाइर सओ ५५ मतदातामध्ये दू लाख ८२ हजार चाइर सओ ३० गाेटे मतदाता मतदानमे भाग लेने छल । रासस





