तराईमे कुहेसक प्रभाव


काठमाण्डू, १८ पुसः देशभैर अखन पश्चिमी वायुके आंशिक प्रभाव कायम रहलासँ तराई भू–भागके अधिकांश स्थानमे आइ दुपहरमे सेहो कुहेस रहबाक तथा किछ प्रदेशमे आंशिक बदली हाेबाक जल तथा मौसम पूर्वानुमान महाशाखा जनौलक अइछ ।

महाशाखाके अनुसार आइ दुपहर देशक पहाड़ी तथा हिमाली भू–भागमे साधारण बदली भ बाँकी भू–भागमे आंशिक बदली रहत ।

कोशी आ गण्डकी प्रदेशक पहाड़ी भू–भागक एक दू स्थानमे हल्का वर्षाके सङे उच्च पहाड़ी तथा हिमाली भू–भागके किछ स्थानमे हल्का हिमपातके संभावना अइछ ।

तहिना, आइ राति कोशी, बागमती, गण्डकी आ कर्णाली प्रदेशक पहाड़ी तथा हिमाली भू–भागमे आंशिक बदली रहि बाँकी भू–भागमे मुख्यतया मौसम सफा रहत । कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक उच्च पहाड़ी तथा हिमाली भू–भागके एक दू स्थानमे हल्का हिमपातके संभावना अइछ ।

मौसम पूर्वानुमान महाशाखा तराई क्षेत्रमे कुहेसक प्रभावके कारण दैनिक जनजीवन, स्वास्थ्य तथा सड़क यातायातमे आंशिक असर होबाक चेतावनी देलक अइछ । आवश्यक सतर्कता अपनेबाक लेल तथा दैनिक रूपमे सार्वजनिक होएबला अद्यावधिक मौसमी सूचनाके जानकारी लेबाक लेल महाशाखा सर्वसाधारणकेँ अनुरोध केलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय