पूर्वराष्ट्रपति भण्डारीद्वारा सर्वोच्च अदालतके अवलोकन


काठमाण्डू, १८ पुस : पूर्वराष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारी सर्वोच्च अदालतक अवलोकन कएने छैथ ।

पूर्वराष्ट्रपति भण्डारी आइ सर्वोच्च अदालतमे पहुँचल भादब २४ गते आइगजनीमे जरल भवनके अवलोकन कएने छैथ । अवलोकनके बाद पूर्वराष्ट्रपति भण्डारी न्यायालयमे भेल क्षति प्रति दुःख व्यक्त करैत न्यायालय जकाँ ऐतिहासिक धरोहर जरेनाइ अकल्पनीय रहल कहलैन ।

सर्वोच्च अदालतक मुख्य रजिष्ट्रार विमल पौडेलक अनुसार पूर्वराष्ट्रपति भण्डारी अदालतक अवलोकन क ओकर बारेमे जिज्ञासा राखने छलैन । अइसँ पहिने, जेनजी आन्दोलन बाद पूर्वराष्ट्रपति भण्डारी सिंहदरबार आ संसद् भवनक अवलोकन कएने छलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय