सिरहा, २० पुसः पूर्व–पश्चिम हुलाकी सड़कअन्तर्गत सिरहाके बरियारपट्टि गाउँपालिका–१ नरगी खण्डमे शैनदिन भेल दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।
कुहेसक कारण पूर्वसँ पश्चिमदिस जा रहल स ६ प ८६१ नम्बरके मोटरसाइकल आ विपरीत दिशासँ आइब रहल बा प्रदेश ०१–०७२ ब ००८२ नं.के स्कार्पियो एक आपसमे ठोकरेलासँ दुर्घटना भेल प्रहरी जनौलक अइछ ।
दुर्घटनामे नरगी गामक करिब २३ वर्षक मोटरसाइकल चालक मोहम्मद नदिम अन्सारी गम्भीर घायल भेल छलैन । हुनक इलाजक क्रममे मृत्यु भेल अइछ । मोटरसाइकलपर सवार करिब २२ वर्षक सैतुल्ला मियाँसहित दूनु गोटेकेँ तत्काल उद्धार क सदरमुकाम सिरहास्थित सहजा अस्पतालमे इलाजक लेल आनल गेल छल ।
इलाजक क्रममे अन्सारीके किछ समय बाद मृत्यु भेल जिला प्रहरी कार्यालयके सूचना अधिकारी एवं प्रहरी नायब उपरीक्षक रमेश बहादुर पाल जानकारी देलैन । मियाँके ओएह अस्पतालमे इलाज भ रहल अइछ ।
प्रहरीके अनुसार दुर्घटनाके बाद स्कार्पियो सड़कसँ खइस क उनैट गेल छल, तँ मोटरसाइकल पूर्ण रूपमे क्षतिग्रस्त भेल अइछ । (रासस)





