जनकपुरधाम, २१ पुसः शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री डा. महावीर पुन मधेश प्रदेश शिक्षाके क्षेत्रमे पाछु भेलमे चिन्ता व्यक्त केलैन अइछ ।
शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधि मन्त्रालयके आयोजन तथा मधेश प्रदेशक शिक्षा तथा संस्कृति मन्त्रालयके समवंयमे रैबदिन आयोजित साक्षरता प्रदेश घोषणा अभियान तैयारी सम्बन्धी कार्यक्रमके उद्घाटन करैत मन्त्री पुन मधेश प्रदेश विगतमे शिक्षाके क्षेत्रमे आगु भेलाक बादो वर्तमान अवस्थामे कमजोर भेनाइ दुःखक विषय भेल उल्लेख केलैन ।
मधेश प्रदेश आर्थिक, सामाजिक तथा राजनीतिक क्षेत्रमे आगु भेलाक बादो शिक्षाके क्षेत्रमे कोना तथा किया पाछु अइछ से अध्ययनके विषय भेल उल्लेख करैत मन्त्री पुन शिक्षा क्षेत्रके दीर्घकालीन तथा प्रभावकारी विकासक लेल तीनू तहके सरकारकेँ योजनाबद्ध तरिकासँ काज करबाक चाही तइपर जोड़ देलैन ।
“अखन प्रविधिके जमाना छै । साक्षर सेहो नै भेनाइ बड़का विडम्बनाके विषय छै”, मन्त्री पुन कहलैन ।
ओइ अवसरमे मधेश प्रदेशक शिक्षा तथा संस्कृतिमन्त्री रानी शर्मा तिवारी मधेश प्रदेशक शिक्षाके अवस्था सब प्रदेशसँ कमजोर भेल उल्लेख करैत प्रदेश सरकार शिक्षा क्षेत्रके विकासक लेल योजनावद्ध रुपमे आगु बढ़ल बतौलैन । शिक्षा क्षेत्रके दीर्घकालीन विकासक लेल सरकारी तथा गैरसकारी क्षेत्र मिलजुइल क आगु बढ़बाक आवश्यकता भेल ओ बतौलैन ।
मधेश प्रदेश सभा सदस्य अञ्जना पण्डित मधेशक शिक्षाके समस्या समाधान करबाक लेल तीनू तहके सरकारकेँ गुणस्तरीय शिक्षामे जोड़ देबाक चाही से धारणा व्यक्त केलैन ।
–––





