जेनजी सहिद परिवार कल्याणकारी समाजकेँ अनुदान उपलब्ध कराएल जाएत


काठमाण्डू, २१ पुसः सरकार जेनजी सहिद परिवार कल्याणकारी समाजकेँ अनुदान उपलब्ध करेबाक निर्णय केलक अइछ ।

आइ भेल मन्त्रिपरिषद्क बैसारसँ जेनजी सहिद परिवारक लेल कल्याणकारी कार्यक्रम संचालन करबाक लेल समाजकेँ अनुदान उपलब्ध करेबाक निर्णय कएल गेल संचार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री एवं सरकारक प्रवक्ता जगदीश खरेल जानकारी देलैन ।

बैसारसँ नेपाल सरकार आ इजरायल सरकार बीच होएबला श्रम सम्झौता स्वीकृत करबाक निर्णय कएल गेल अइछ, तँ नेपाल सरकार आ ओमान सरकार बीच होएबला समझदारीपत्र सेहो स्वीकृत कएल गेल अइछ । तहिना, बैसारसँ पेट्रोलमे इथानोल मिश्रण क प्रयोगमे आनबाकसम्बन्धी आदेश–२०८२, स्वीकृत करबाक निर्णय कएल गेल अइछ । मन्त्रिपरिषद्क बैसारसँ वन तेसर संशोधन नियमावली २०८२, स्वीकृत कएल गेल अइछ ।

सरकार राष्ट्रिय अनुसन्धान विभागक अतिरिक्त मुख्य अनुसन्धान निर्देशकमे ओम बहादुर खड्काकेँ बढुवा केलक अइछ, तँ नेपाल लेखा परीक्षण सेवा समूहीकरणदिस उपमहालेखापरीक्षकमे घनश्याम पराजुलीकेँ बढुवा केलक अइछ । तहिना, समस्याग्रस्त सहकारी संस्थाके सम्पति व्यवस्थापन तथा दायित्व भुक्तानी सम्बन्धी काज करैबला व्यवस्थापन समितिके सदस्यमे कुल प्रसाद न्यौपानेकेँ मनोनयन करबाक बैसारसँ निर्णय कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय