सिनेमा प्रमाणीकरणके लेल बोर्डकेँ प्रभावकारी बनेबाक चाही: सञ्चारमन्त्री खरेल


काठमाण्डू, २२ पुसः सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेल सिनेमा प्रमाणीकरणक लेल चलचित्र विकास बोर्डकेँ बेसी प्रभावकारी बनेबाक चाही बताैलैन अइछ ।

राष्ट्रिय सभाक विधायन व्यवस्थापन समितिमे आइ भेल चलचित्र विधेयकसम्बन्धी दफावार बातचित क्रममे ओ कहलैन, “बोर्डके बहुमत सदस्य बाहरसँ आएल विज्ञसभ छैथ, ओसभ सिनेमा ठीक छै कहलक, तँ अइमे बोर्डके अध्यक्षकेँ भिटो प्रयोग करब ठीक नै हेत।” ओ बोर्डके कार्य शैलीकेँ व्यवस्थित बनाबैत ‘चेक एन्ड ब्यालेन्स’ जरुरी रहल बतौलैन ।

समितिक सभापति तुलसा कुमारी दाहाल चलचित्र विधेयकउपर दफावार बातचित जारी भ रहल आ एकरा जल्दिए निर्णय करबाक लेल समिति सक्रिय रहल जानकारी देलैन अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय