काठमाण्डू । प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीसँ मधेश प्रदेशक प्रमुख सुरेन्द्र लाभ आइ शिष्टाचार भेट कएने छैथ । प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे भेल उक्त भेटमे विविध समसामयिक विषयमे बातचित भेल प्रधानमन्त्रीक सचिवालय जनौने अइछ ।
ओहि क्रममे प्रधानमन्त्री कार्की प्रदेश प्रमुख लाभकेँ प्रदेशक राजनीतिक समस्या समाधानक क्रममे अभिभावकीय भूमिका खेलयमे सफल भेल कहैत प्रशंसा केलैन । सङे पछुलका दिनमे मधेशमे देखल गेल सामाजिक समस्या समाधानमे सेहो एहन भूमिका खेलय लेल ओ आग्रह केलैन ।
“मधेश प्रदेशमे देखल गेल राजनीतिक समस्या समाधानक लेल अहाँ जे अभिभावकीय भूमिका निभेलाैँ, ओ प्रशंसनीय अइछ”, प्रधानमन्त्री कार्की कहलैन, “एखनहुँ समाजकसभ पक्ष समेटि क शान्ति आ सद्भाव कायम राखय लेल एहन भूमिका खेलब से हमरा विश्वास अइछ ।”
अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधिसभाक निर्वाचनक वातावरण बइन रहल अवस्थामे अइ बीचमे आइबैबला सम्भावित चुनौती दिस सेहो सतर्क होबाक प्रधानमन्त्री कार्कीक धारणा छल ।
“देश आब पूरै निर्वाचनमय बनल छै”, ओ कहलैन, “एहन समयमे कतेकाे तत्व चुनौती खड़ा क सकैत छै । ओतेक सचेत रहैत समाजमे शान्ति, सद्भाव आ सहिष्णुता कायम करए लेल सब पक्षकेँ भूमिका खेलय पड़त । अहाँ सेहो अभिभावकक रूपमे पहल करू । राज्यकसभ संयन्त्र परिचालन क चुनावक लेल अनुकूल वातावरण बनाबैत जाए पड़त ।”
प्रदेश प्रमुख लाभ प्रदेशक शान्ति सुव्यवस्था कायम राखय लेल अपन दिससँ प्रयास क रहल आ सुरक्षा तथा प्रशासनिक संयन्त्र परिचालित कएल गेल जानकारी देलैन । प्रदेश प्रमुख लाभ भेटक अवसरमे अपन पदभार सम्हारल दू महिनाक अवधिमे कएल गेल काजक विवरण प्रस्तुत केलैन ।





