काठमाण्डू, २४ पुसः नेपाली सेना अगिला फागुन २१ गते होबएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल ८० हजार जनशक्ति परिचालन करबाक तैयारी केलक अइछ ।
नेपाली सेनाके सहायक रथी एवम् प्रवक्ता राजाराम बस्नेत निर्वाचनक सन्दर्भमे एकीकृत सुरक्षा योजना, २०८२ अनुमोदन भ राष्ट्रपतिसँ स्वीकृत भेलाक कारण ओएह अनुसार सेना परिचालन होबाक जानकारी देलैन ।
ओ कहलैन, “निर्वाचनक लेल एकीकृत सुरक्षा योजनासँ मार्ग निर्देशन कएल गेल अनुरुप निर्वाचनक एक महिना पहिनेसँ फिल्डमे सेना परिचालन हएत ।”
एकीकृत सुरक्षा योजना सरकारसँ अनुमोदन आ सेनाके परिचालनक सम्बन्धमे राष्ट्रिय सुरक्षा परिषद्सँ सेहो स्वीकृत भ चुकल अइछ । निर्वाचनक सिलसिलामे सेना तीन चरणमे काज करत । निर्वाचनपूर्वके प्रमुख जिमेवारी मतपत्र छपाइ सुरक्षासँ ल क महत्वपूर्ण संरचनाके सुरक्षाके जिमेवारी सेना सम्हारत ।
नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल सङेके समवंय आ सहकार्यमे विमानस्थल, कारागारलगायत महत्वपूर्ण संरचनाके सुरक्षा जिमेवारी नेपाली सेना सम्हारत ।
निर्वाचनक सिलसिलामे सेना चारु सुरक्षा निकाय आ जिला प्रशासन सङेके समवंय, सहयोग आ सहकार्यमे तरका तहधैर निर्वाचनसँ सम्बन्धित एकीकृत तालिम आ अभ्यास संचालन करत । निर्वाचनकेँ स्वच्छ, स्वतन्त्र, निष्पक्ष आ भयरहित वातावरणमे सम्पन्न करबाक काजमे सहज होए तइ लेल उक्त तालिम आ अभ्यास कएल जाएत ।
मतदानक समयमे निर्वाचनस्थल आ केन्द्रमे खटबाक क्रममे नेपाली सेना तेसर घेरामे रहि राजनीतिक दल, उम्मेदवार, मतदाता आ निर्वाचनमे खटल कर्मचारीकेँ सुरक्षाक पूर्ण प्रत्याभूति दिएबाक काज करत ।
पहिनेजँका आगामी निर्वाचनकेँ लक्षित क सेना देशक विभिन्न स्थलमे सुरक्षा वेश स्थापना करबाक तैयारी केलक अइछ । फागुन २१ गते मतदान सम्पन्न भेलाक बाद मत पेटिकाके ढुवानीसँ मतगणनास्थलके सुरक्षालगायतक जिमेवारी सेनाके रहत ।
निर्धारण कएल गेल मितिमे निर्वाचन भयमुक्त वातावरणमे सम्पन्न करबाक सिलसिलामे अखन प्रदेशस्तरमे सेहो सुरक्षा गोष्ठी संचालन भ रहल अइछ । गोष्ठीमे प्राप्त सुझावक आधारमे परिस्थितिके मूल्याङ्कन आ विश्लेषण क सरकार आओर सुरक्षा प्रबन्ध मिलाओत ।
सब सुरक्षा फौज, स्थानीय प्रशासन आ जनप्रतिनिधि सुरक्षा बीचक समवंय आ सहकार्यमे राज्यके प्राथमिक कार्यभारके रुपमे रहल निर्वाचन सुरक्षा प्रदान करबाक लेल हमसभ तैयार रहल सेनाक कहब अइछ । (रासस)





