काठमाण्डू, २५ पुसः विभिन्न १० क्षेत्रमे महत्त्वपूर्ण योगदान केनिहार १० गोटे विकास नायककेँ सम्मानित कएल गेल अइछ । विकास मिडियाद्वारा वृहस्पैतदिन आयोजित विकास बहस तथा विकास नायक अवार्ड समारोहमे हुनकासभकेँ सम्मानित कएल गेल अइछ । विकास नायकसभकेँ अर्थमन्त्री रामेश्वर खनाल अवार्ड तथा सम्मानपत्र प्रदान केलैन ।
राजनीतिक संस्कार, सुशासन आ विकास क्षेत्रसँ ललितपुर महानगरपालिकाके प्रमुख चिरीबाबु महर्जन, उद्योग क्षेत्रसँ गोल्छा ग्रुपके अध्यक्ष शेखर गोल्छा, कृषि क्षेत्रसँ फर्स्ट च्वाइस फुड्स लिमिटेडके अध्यक्ष कृष्ण प्रसाद पौडेल, ऊर्जा क्षेत्रसँ आरएम ग्रुपके अध्यक्ष कृष्ण आचार्य, पेसागत कर्मसँ देश तथा विदेशमे प्रतिष्ठा हासिल क राष्ट्र निर्माणमे योगदान केनिहार धुलिखेल अस्पतालक कार्यकारी निर्देशक डा. रामकण्ठ माकजु श्रेष्ठ, सूचना प्रविधि क्षेत्रसँ आइएमई ग्रुपक संस्थापक हेमराज ढकाल ‘विकास नायक २०८२’सँ सम्मानित भेल छैथ ।
तहिना, सिर्जनशील आ निष्ठापूर्ण व्यवसायदिस सानिमा ग्रुपके संचालक जीवा लामिछाने, शिक्षा तथा स्वास्थ्य क्षेत्रसँ नेपाल विश्वविद्यालयके उपकुलपति प्रा. डा. अर्जुन कार्की तथा कला तथा मनोरञ्जन क्षेत्रसँ अभिनेत्री सुरक्षा पन्तकेँ सम्मानित कएल गेल ।
अर्थमन्त्री खनाल बितल समय उद्योगी व्यवसायीके मनोबल कमजोर भेल अवस्थामे विकास मिडिया कएने सम्मानसँ उत्प्रेरणा आ आओर काज करबाक लेल ऊर्जा बढ़त से विश्वास व्यक्त केलैन । हुनक कहब अनुसार देशमे लगानीमैत्री वातावरण बनेबाक लेल मनोबल उच्च बनोनाइ आवश्यक अइछ ।
कार्यक्रममे विकास मिडियाके अध्यक्ष रामकृष्ण पौडेल चारुदिस निराशा फैलल समय संचारमाध्यमसँ भ सकबाक सिर्जनशील आ उत्प्रेरणामूलक काजसँ व्यक्तिकेँ आओर प्रोत्साहन करत से धारणा व्यक्त केलैन । “विकास मिडिया रचनात्मक आ सकारात्मक संदेश प्रवाहमे सैदखन प्रतिबद्ध छै । व्यक्ति आ व्यवसायीकेँ आओर ऊर्जा देबाक लेल हमरासभक दिससँ होएबला काज कएने छी”, ओ कहलैन ।
विकास नायक निर्णायक समितिक संयोजक कृष्णहरि बास्कोटा अपन–अपन क्षेत्रमे उत्कृष्ट काज कएने व्यक्तिसभकेँ निष्पक्ष ढङ्गसँ छनौट क सम्मानित कएल गेल बतौलैन । हुनक कहब अनुसार १०टा क्षेत्रमे दीर्घकालीन प्रभाव पाड़ैबला काज कएने मूल्याङ्कनक आधारमे ‘विकास नायक, २०८२’के लेल छनौट कएल गेल अइछ । (रासस)





