महामन्त्री थापाद्वारा समसामयिक राजनीतिक प्रस्ताव पेस


काठमाण्डू, २८ पुसः नेपाली कांग्रेसक महामन्त्री गगन कुमार थापा कांग्रेसक विशेष महाधिवेशन पक्षधरद्वारा आयोजित विशेष महाधिवेशनके बन्दसत्रमे समसामयिक राजनीतिक प्रस्ताव प्रस्तुत केलैन अइछ ।

काठमाण्डूके भृकुटीमण्डपमे आइ भेल बन्दसत्रमे हुनकाद्वारा प्रस्तुत कएल गेल प्रस्तावमे जेनजी प्रदर्शनक बाद उत्पन्न परिस्थितिमे विशेष महाधिवेशनके आवश्यकता, विशेष महाधिवेशनके वैधानिक प्रावधान, कांग्रेसक ऐतिहासिक परम्परा, आजुक परिदृश्य आ विशेष महाधिवेशनके नीतिगत सङ्कल्प, आमनिर्वाचन, उन्नत लोकतन्त्र आ बहुलवादी समाजके विकास, निर्वाचन पूर्वगठबन्धन प्रवृत्तिके अन्त्य, सुशासन आ भ्रष्टाचार नियन्त्रण, निर्वाचन प्रणालीमे सुधारलगायत विषयसभ समेटल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय