महेन्द्रनगर (धनुषा), २८ पुसः मधेश प्रदेश सभाक सभामुख राम अशिष यादव निजी विद्यालय शिक्षा क्षेत्रके विकासमे महत्त्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करैत आएल बतौलैन अइछ ।
धनुषा प्याब्सनक दोसर जिला परिषद् भेलाकेँ आइ सम्बोधन करैत ओ शिक्षाक गुणस्तर अभिवृद्धिके लेल सरकारी तथा निजी क्षेत्र बीच सहकार्य आवश्यक भेल उल्लेख केलैन । सभामुख यादव शिक्षा क्षेत्रकेँ राजनीतिक प्रभावसँ दूर राइख नीति आ व्यवहार बीच समवंय होबाक चाही तइपर जोड़ देलैन ।
निजी तथा संस्थागत विद्यालय अनुशासन, गुणस्तर आ प्रविधिमैत्री शिक्षामे कएने योगदानक प्रशंसा करैत ओ समावेशी तथा सबके पहुँचमे शिक्षा होबाक चाही से धारणा व्यक्त केलैन ।
प्याब्सन धनुषाक पदाधिकारी जिलामे शिक्षा क्षेत्रमे देखल गेल समस्या, चुनौती आ आगामी कार्ययोजनाके बारेमे जानकारी करौने छलैन । परिषद् भेलासँ सङ्गठन सुदृढीकरण तथा भावी कार्यक्रमसम्बन्धी विभिन्न प्रस्ताव पारित कएल गेल अइछ । भेलामे शिक्षक, विद्यालय संचालक तथा शिक्षा क्षेत्रसँ सम्बन्धित व्यक्तिसभक उपस्थिति छलैन ।
धनुषा प्याब्सनक अध्यक्ष नवल यादवके अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रममे सन्त कबिर बाल आश्रमके संस्थापक समाजसेवी सन्त सत्य नारायण आलोक, प्याब्सनक प्रदेश सचिव विष्णु न्यौपाने, शिक्षा समवंय समिति धनुषाक अध्यक्ष चेतनाथ पोखरेल, विश्व लाल सिंह, डिजे चौधरीलगायत वक्तासभ निजी व्यावसायिक विद्यालय शैक्षिक गुणस्तर अभिवृद्धिमे निर्वाह कएने भूमिकाके बारेमे अपन विचार व्यक्त कएने छलैन । (रासस)





