कांग्रेस विशेष महाधिवेशन: निर्वाचन समितिद्वारा निर्वाचन कार्यतालिका सार्वजनिक


काठमाण्डू, २९ पुसः नेपाली कांग्रेसक विशेष महाधिवेशन पक्षधरके आह्वानमे इएह पुस २७ गतेसँ सुरु भेल विशेष महाधिवशेनसँ गठन कएल गेल निर्वाचन समिति नयाँ नेतृत्व चयनक लेल कार्यतालिका सार्वजनिक केलक अइछ ।

विशेष महाधिवेशनके सोमदिनसँ भृकुटीमण्डपमे जारी बन्द सत्रसँ आइ गठन कएल गेल निर्वाचन समिति सूचनामार्फत नेतृत्व चयनक लेल निर्वाचन कार्यतालिका सार्वजनिक केलक अइछ । निर्वाचन समितिके संयोजक वरिष्ठ अधिवक्ता सीताराम केसीके कहब अनुसार केन्द्रीय नेतृत्व निर्वाचनक लेल आइ राति ९ बजेसँ १ बजेधैर मतदानक समय निर्धारण कएल गेल अइछ ।

सार्वजनिक कार्यतालिकामे दुपहर १२ः३० बजे मतदाता नामावली प्रकाशन करबाक आ मतदाता नामावलीपर दाबी विरोध आ छानविन १ः३० बजेधैरके लेल निर्धारण कएल गेल छल । तहिना, अन्तिम नामावली प्रकाशन दुपहर २ बजे, उम्मेदवार मनोनयन दर्ता २ बजेसँ ३ बजेधैर आ उम्मेदवारक नामावली प्रकाशन दुपहर ४ः३० बजे होबाक कार्यतालिकामे उल्लेख अइछ ।

तहिना, उम्मेदवारीपर दाबी विरोध साँझ ४ः३० बजेसँ ५ बजेधैर, उम्मेदवारीपर दाबी विरोध छानविन साँझ ५ बजेसँ ५ः३० बजेधैर, उम्मेदवारी मनोनयन फिर्ता ५ः३० बजेसँ ७ः३० बजेधैर आ उम्मेदवारीके अन्तिम नामावली प्रकाशन ८ः४५ बजेके लेल निर्धारण कएल गेल सूचनामे उल्लेख अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय