त्रिशूली कातमे बाउलसँ धाेपाएल अवस्थामे बस भेटल


काठमाण्डू, २९ पुसः त्रिशूली नदीके कातमे बाउलसँ धाेपाएल अवस्थामे गणपति डिलक्स नामक गाड़ी भेटल अइछ । तनहुँके आबुखैरेनी गाउँपालिका–५ द्धोन्द्राङ बेँसीके लगमे त्रिशूली नदीके कातमे धाेपाएल अवस्थामे उक्त गाडीके पाट्र्सपुर्जा भेटल छै ।

पाटपुर्जा देखाए रहल उक्त गाड़ी खोजीकार्यके लेल सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल नं १७ गण चितवन आ नं २३ मनकामना गण भानु तनहुँसँ खटल सुरक्षा फौजद्वारा उक्त गाड़ीकेँ खाेज कएल गेल सशस्त्र प्रहरी बलके सहप्रवक्ता शैलेन्द्र थापा जानकारी देलैन अइछ ।

काठमाण्डूसँ गौरदिस जा रहल बागमती प्रदेश ०३–००१ ख २४९५ नम्बरके गणपति डिलक्स आ वीरगञ्जसँ काठमाण्डूदिस आइब रहल बागमती प्रदेश ०३–००६ ख १५१६ नम्बरके एन्जल डिलक्स २०८१ अखार २८ गते भुस्खलनमे धाेपा क चितवनके सिमलतालस्थित त्रिशूली नदीमे बेपत्ता भेल छल ।

गणपति डिलक्समे सवार ३१ व्यक्ति मध्ये तीन व्यक्ति कुइद क बचँल तँ २८ गोटे बेपत्ता भेल छल । उक्त मध्ये १४ व्यक्तिके शव फेला भेटल छल । बाकी बेपत्ता अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय