१ सओ ७५ गोटे उम्मेदवारद्वारा बन्दसूचीसँ नाम फिर्ता


काठमाण्डू, ३० पुसः आगामी फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनअन्तर्गत समानुपातिकदिसक बन्दसूचीसँ १ सओ ७५ गोटे उम्मेदवार नाम फिर्ता लेलक अइछ । निर्वाचन आयोग उपलब्ध करौने अन्तिम विवरण अनुसार १७ चुनाव चिह्नके (एकलसहित) उम्मेदवारद्वारा नाम फिर्ता लेल गेल अइछ ।

बन्दसूचीमे नाम समावेश भेल उम्मेदवार अपनेसँ नाम फिर्ता लेबाक लेल इच्छुक भेलापर पुस २८ गते भोर १०ः०० बजेसँ ४ः०० बजेधैरके समय निर्धारण कएल गेल छल । नाम फिर्ता लेबाक विषयमे आयोग सूचना प्रकाशित क जानकारी करौने छल ।

आयोग उम्मेदवार अपने उपस्थित भ या वारेसमार्फत सेहो नाम फिर्ता ल सकबाक व्यवस्था कएने छल । निर्धारण कएल गेल समयसीमा भीतर एकलसहित १७ चुनाव चिह्नसँ उम्मेदवारी देने १ सओ ७५ गोटे उम्मेदवार नाम फिर्ता लेने आयोगक सहायक प्रवक्ता कुल बहादुर जिसी जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार नाम फिर्ता लेबैबलामे एकल चुनाव चिह्नसँ बन्दसूचीमे नाम पेस करैबला राजनीतिक दलक उम्मेदवार सेहो अइछ ।

नाम फिर्ता लेबैबलामे सबसँ बेसी लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी (लोसपा)के १ सओ १० गोटे उम्मेदवार रहल सहायक प्रवक्ता जिसी बतौलैन । उक्त पार्टी अन्य दलसँ एकता कएने कारण ओइसँ पहिने पेस भेल सब उम्मेदवारक नाम बन्दसूचीसँ फिर्ता लेल गेल हुनक कहब छैन ।

तहिना, जनमत पार्टीके २०, राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी (राप्रपा)के १२, जनादेश पार्टी नेपालक छ आ नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) के पाँच गोटे उम्मेदवार नाम फिर्ता लेने आयोग जनौलक अइछ । नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी) आ राष्ट्र निर्माण दल नेपालक चाइर/चाइर गोटे तथा नेपाली कांग्रेस, उन्नत लोकतान्त्रिक पार्टी, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा), राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के दू/दू गोटे उम्मेदवार उम्मेदवारी फिर्ता लेने अइछ ।

संयुक्त लोकतान्त्रिक राष्ट्रिय मञ्च, संयुक्त नागरिक पार्टी, राष्ट्रिय मुक्ति पार्टी नेपाल आ जनता समाजवादी पार्टीके दिससँ एकल चुनाव चिह्नके एक/एक गोटे उम्मेदवार बन्दसूचीसँ नाम फिर्ता लेने अइछ ।

तहिना, गतिशील लोकतान्त्रिक पार्टी, नेपाल जनता पार्टी, प्रगतिशील लोकतान्त्रिक पार्टीके दिससँ एक/एक गोटे उम्मेदवार नाम फिर्ता लेने आयोग जनौलक अइछ । समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिसक बन्दसूचीके लेल इएह पुस १३ आ १४ गते दलसभ आयोगमे नाम पेस कएल गेल छल ।

जमा २ सओ ७५ सदस्यीय प्रतिनिधि सभामे प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीमार्फत १ सओ ६५ गोटे आ समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीमार्फत १ सओ १० गोटे निर्वाचित होबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ । ओइ लेल आयोग २०७८ के जनगणनाके आधारमे जातीय प्रतिनिधित्व सेहो होबाक आवश्यक व्यवस्था कएने छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय