काठमाण्डू । महाराजगञ्जस्थित त्रिभुवन विश्वविद्यालय (त्रिवि) शिक्षण अस्पताल आइसँ स्वास्थ्य बिमा कार्यक्रममार्फत इलाज सेवा बन्द केलक अइछ ।
अस्पतालके सूचना अधिकारी कालीप्रसाद रोस्यारा आइसँ स्वास्थ्य बिमामार्फत कएल जेबाक सब इलाज सेवा बन्द कएल गेल जानकारी देलैन अइछ । स्वास्थ्य बिमा बोर्ड बिमा कार्यक्रममार्फत इलाजके भुक्तानी उपलब्ध नै करेलासँ बिमा कार्यक्रमकेँ निरन्तरता नै देल जेबाक बतौलैन । अस्पताल स्वास्थ्य बिमामार्फत बोर्डसँ करिब ४० करोड़ टका भुक्तानी बाँकी रहल अइछ ।
“स्वास्थ्य बिमामार्फत मासिक दू करोड़ टका बराबरके सेवा उपलब्ध कराबैत आएल छल”, सूचना अधिकारी रोस्यारा कहलैन, “बीमितके इलाज कएलाक वापत समयमे नगद उपलब्ध नै भेलासँ अस्पताल सञ्चालनमे समस्या भेल छै। आन्तरिक स्रोतसँ अस्पताल सब खर्च उठाबए पडैत छै मासिक दू करोड़ घाटामे स्वास्थ्य बिमा कार्यक्रम सञ्चालन नै कएल जा सकत ।”
अस्पताल २०७७ सालसँ नियमित रुपमे सञ्चालन करैत आएल स्वास्थ्य बिमा कार्यक्रममार्फत कएल जाएबला इलाज सेवा प्रदान करैत आएल छल । बोर्डकेँ दू सालसँ आग्रह कएलोपर कोनो सुनवाइ नै भेल सूचना अधिकारी रोस्यारा बतौलैन । (रासस)





