सिन्धुली, २ माघः घ्याङलेख गाउँपालिकामे रहल नेपाल एसबिआई बैंकके शाखा लुटमे संलग्न सात गोटेकेँ प्रहरी पकड़ने अइछ । घटनाबारे जिला प्रहरी कार्यालय आइ पत्रकार सम्मेलन करैत पकड़ाएल व्यक्तिके विवरण सार्वजनिक कएने अइछ ।
जिला प्रहरी कार्यालयक प्रहरी उपरीक्षक लालध्वज सुवेदी पुस २९ गते साँझ ७ः३० बजे बैंक लुटपाटमे संलग्न सात गोटे पकड़ाएल आ एक गोटे भागल जानकारी देलैन ।
हुनक अनुसार काभ्रेपलाञ्चोकक बनेपा नगरपालिका–१० क ४९ वर्षीय सुमो चालक भागवतसिंह थापा, सिन्धुलीक घ्याङलेख गाउँपालिका–२ क ४७ वर्षीय चतुरमान बज्यु, चितवनक भरतपुर महानगरपालिका–२ क २४ वर्षीय शशांक श्रेष्ठ, नुवाकोटक पञ्चकन्या गाउँपालिका–५ क २३ वर्षीय मिलन गिरी, ओइ ठेगाना भेल १९ वर्षीय विवेक मगर, सिन्धुलीक घ्याङलेख गाउँपालिका–२ क ४४ वर्षीय छविलाल स्याङ्तान आ एक गोटे नाबालक पकड़ाएल छैथ ।
पुस २९ गते साँझ ओसभ बैंकके गार्ड रुद्रबहादुर कार्की तथा ओइ बैंकमे रहल कर्मचारीसभकेँ नियन्त्रणमे ल क लुटपाट कएने छल । सुरक्षा गार्डकेँ दबिया प्रहार क बैंक भितर नगद लूटने छल।
नेपाल एसबिआई शाखा कार्यालय घ्याङलेख शाखाक अनुसार ओइ दिन बैंकसँ तीन करोड़ सात लाख टका लूटने छल । प्रहरी दू करोड़ ६८ लाख ५५ हजार १७५ बरामद कएने अइछ । सङे ओइ घटनामे प्रयोग भेल दू थान दबिया, एकटा प्लास्टिकके पेस्तोल, मोबाइल पाँचटा, टेप एकटा, कारी रङ्गके नकाब तीनटा आ लाल रङ्गक नकाब एकटा, कारी पञ्जा बरामद कएल गेल अइछ । (रासस)





