काठमाण्डू, ४ माघः आइसिसी महिला टी–२० विश्वकप ग्लोबल छनौटके उद्घाटन खेलमे नेपाल थाइल्याण्डसँ पराजित भेल अइछ ।
कीर्तिपुरस्थित त्रिवि क्रिकेट मैदानमे आइ भेल खेलमे नेपाल प्रस्तुत कएने एक सओ २३ रनक लक्ष्यसहित मैदान आएल थाइल्याण्ड १६ दशमलव पाँच ओभरमे दू विकेटक नोक्सानीमे जीत हासिल केलक अइछ । थाइल्याण्डके लेल नथाकन चन्थम नट आउट रहैत ५७ रन बनोलैन ।
तहिना, नानपत कोन्चारोन्काई ३२ आ अफिसरा सुवानचोनराथी २८ रन बनोलैन । बलिङदिस नेपालक सीता रानामगर दू विकेट लेलैन । टस हाइर क पहिने ब्याटिङ कएने नेपाल निर्धारित २० ओभरमे सब विकेटके नोक्सानीमे एक सओ २२ रन बनोने छल ।
नेपालक लेल बिन्दु रावल सर्वाधिक ४४ रन बनौलैन । सम्झना खड्का २६ रन बनोलैन, तँ रुविना क्षेत्री १७ रन बनोलैन ।
तहिना, पूजा महतो १२ रन बनोलैन, तँ अन्य खेलाड़ी रन बनाबए नै सकल ।
थाइल्याण्डके लेल थिपात्चा पुथावङ सर्वाधिक तीन विकेट लेलैन ओन्निता कामचोम्पु दू तथा चनिदा सुथ्थरुवाङ सुलीपोर्न लाओमी आ सुनिदा चातुरोङ्ग्राताना समान एकएक विकेट लेलैन । नेपाल अपन दोसर खेल इएह माघ ८ गते नेदरल्याण्ड सङे खेलत । रासस





