दुर्गा प्रसाईं पोखरासँ गिरफ्तार


गण्डकी, ५ माघः प्रहरी मेडिकल व्यवसायी दुर्गा प्रसाईकेँ पोखरासँ गिरफ्तार केलक अइछ । आइ दुपहर गिरफ्तार भेल प्रसाईँकेँ काठमाण्डू पठेबाक तैयारी भ रहल जिला प्रहरी कार्यालय कास्कीके प्रमुख प्रहरी उपरीक्षक नवीन कार्की जानकारी देलैन । “हुनकर मुद्दा काठमाण्डूमे भेलासँ ओइ ठाम पठाबै लागल छी”, ओ कहलैन ।

ओइसँ पहिने रैबदिन निर्वाचन आयोग प्रसाईकेँ कारबाही करबाक माँग करैत प्रहरीके साइबर ब्यूरोमे पत्राचार कएने छल । प्रसाईँ किछ दिन पहिने कांग्रेसक विशेष महाधिवेशन पक्ष आयोगकेँ ५२ करोड़ देने आरोपसहित एकटा भिडियो सार्वजनिक कएने छलैन । ओएह विषयमे आयोग प्रसाईँकेँ गिरफ्तार क अनुसन्धान करबाक लेल प्रहरीकेँ निर्देशन देने छल ।
–––

ताजा खबर
लोकप्रिय