पर्सामे निर्वाचन प्रहरीके छनौट प्रक्रिया सुरु


वीरगञ्ज (पर्सा), ५ माघः पर्सामे अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल आवश्यक निर्वाचन प्रहरीके छनौट प्रक्रिया सुरु कएल गेल अइछ ।

पर्सा जिलामे आवेदन आएल निर्वाचन प्रहरीके आइसँ शारीरिक परीक्षण लगायतक छनौटक काज सुरु भेल अइछ । पर्साके सहायक प्रमुख जिला अधिकारी तथा निर्वाचन प्रहरीमे भर्ना छनौट तथा नियुक्ति समिति पर्साके संयोजक सुमन कुमार कार्की निर्वाचन प्रहरीके आइसँ छनौटक प्रक्रिया आगु बढ़ाएल गेल बतौलैन ।

“आइ भोरसँ वीरगञ्जके नारायणी रङ्गशालामे निर्वाचन प्रहरीमे आवेदन देने व्यक्तिसभक शारीरिक परीक्षण लगायतक काज सुरु कएल गेल छै,” ओ कहलैन, “पर्सा जिलासँ निर्वाचन प्रहरीमे सहभागी होएबला व्यक्तिसभ उत्साहित छै ।”

पर्सामे निर्वाचन प्रहरी छनौट प्रक्रियामे नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल, नेपाली सेना आ राष्ट्रिय अनुसन्धान विभाग लगायतक सुरक्षा निकायके प्रत्यक्ष निगरानी आ सुपरीवेक्षणमे छनौट प्रक्रिया आगु बढ़ाएल गेल अइछ । संयोजक कार्की निर्वाचन प्रहरी छनौट प्रक्रियाकेँ निर्धारण कएल गेल मापदण्डअनुसार पारदर्शी आ वस्तुपरक ढङ्गसँ आगु बढ़ाएल गेल जानकारी देलैन ।

निर्वाचन प्रहरीमे सहभागी होएबलाके दौड़ तथा अन्य शारीरिक गतिविधि कराएल गेल अइछ । निर्वाचन प्रहरीमे भर्ना छनौट तथा नियुक्ति समिति पर्सा जिलामे नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरी दूनु दिस मिला क दू हजार ८ सओ ५२ गोटेकेँ आवेदन माँग कएने छल । मुदा, नेपाल प्रहरीदिस पाँच हजार ३ सओ ९९ गोटेके आवेदन आएल अइछ । पर्सासँ सशस्त्र प्रहरी लेने आवेदनदिस सेहो निर्वाचन प्रहरीमे ३ सओ ८५ गोटेके आवेदन माँग कएल गेल छल । जइमे माघ १ गतेधैर ५ सओ ७१ गोटे आवेदन देने छल ।
रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय