प्रतिनिधि सभा निर्वाचनः उम्मेदवार विरुद्ध आइ उजुरी देबाक समय


काठमाण्डू, ७ माघः प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल उम्मेदवारी देने उम्मेदवारक विरोधमे आइ उजुरी देबाक समय निर्धारण कएल गेल अइछ ।

निर्वाचन आयोगद्वारा निर्धारण कएल गेल समयसीमा अनुसार प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीदिसके निर्वाचन कार्यक्रम अनुसार मनोनयन पत्र दर्ता भेल उम्मेदवारक विरोधमे उजुरी देबाक व्यवस्था अइछ । उजुरीके बाद इएह माघ ८ गते साँझ पाँच बजेधैर मनोनयपत्र आ उजुरीपर जाँच एवम् आवश्यक निर्णय क अन्तिम नामावली प्रकाशन कएल जेबाक आयोग जनौलक अइछ ।

आयोग माघ ९ गते भोर १० बजेसँ दुपहर १ बजेधैर उम्मेदवारके नाम फिर्ता ल सकबाक व्यवस्था कएने अइछ । ओएह दिन दुपहर १ बजेसँ ३ बजेधैर उम्मेदवारक अन्तिम नामावली प्रकाशन क दुपहर ४ बजेसँ साँझ ७ बजेधैर उम्मेदवारकेँ निर्वाचन चिन्ह प्रदान कएल जाएत ।

प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीदिस उम्मेदवारक मनोनयन पत्र दर्ता कार्यक्रम सम्बन्धित मुख्य निर्वाचन अधिकृत आ निर्वाचन अधिकृतके कार्यालयमे उत्साहजनक तथा शांतिपूर्ण रूपमे सम्पन्न भेल अइछ ।

उत्साहजनक आ शांतिपूर्ण रुपमे मनोनयन सम्पन्न भेलमे कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त राम प्रसाद भण्डारी धन्यवाद व्यक्त केलैन । निर्वाचनक बाँकी कार्यक्रममे सेहो राजनीतिक दल आ सरोकारवालाके सहयोग होबाक हुनक अपेक्षा रहल आयोग जनौलक अइछ ।

निर्वाचन आयोगक सचिव कृष्ण बहादुर राउत दू हजार ९ सओ २५ गोटेक उम्मेदवारी पड़ल जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार ओइमे महिला उम्मेदवार तीन सओ ३६ आ पुरुष दू हजार पाँच सओ ८९ गोटे अइछ । तहिना, अपाङ्गता भेल व्यक्ति ८५ आ पिछड़ल क्षेत्रके एक सओ ३८ गोटेक उम्मेदवारी पड़ल आयोग जनौलक अइछ ।
–––

ताजा खबर
लोकप्रिय