राजविराज । जनता समाजवादी पार्टी नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव किरिया बैसल राष्ट्रीय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)क उमेदवार अमरकान्त चौधरीक घर पहुँचकए समवेदना आ सहानुभूति व्यक्त कएलक अइछ ।
सप्तरीक डाक्नेश्वरी नगरपालिका–पातो बजार स्थित निवासमे पहुँचकए ओ रास्वपा उमेदवार अमरकान्तक पिता पूर्व राज्यमन्त्री स्व. चन्द्रकान्त चौधरीक तस्वीरमे श्रद्धाञ्जली अर्पण एवम् अमरकान्तप्रति समवेदना प्रकट कएलैन । गत पुस २६ गते तत्कालीन राष्ट्रीय जनता पार्टी (राजपा)क नेता चौधरीक निधन भेल छल।
स्व. चौधरी २०७४ सालक निर्वाचनमे सप्तरी निर्वाचन क्षेत्र नम्बर–३ सँ प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचित भेल छल । ओही क्षेत्रसँ प्रतिनिधिसभा सदस्यक उमेदवार उपेन्द्र यादव स्व. चौधरीक १३म दिनक पुण्यतिथिक अवसरमे श्रद्धाञ्जली देबाक लेल जसपा नेपालक केन्द्रीय नेता आ पूर्वमन्त्री रेणुकुमारी यादव, नेता आ पूर्वमन्त्री शैलेन्द्र प्रसाद साह, पार्टीक नेता आ पूर्व प्रदेश सांसद बिन्देश्वर प्रसाद यादव ‘बिक्की’ सहित नेता–कार्यकर्तासब सङ्ग रास्वपा उमेदवार अमरकान्त चौधरीक घर पहुँचल छल ।





