निर्वाचन केन्द्रित सुरक्षा व्यवस्थापनसम्बन्धी परामर्श


काठमाण्डू, ८ माघः निर्वाचन आयोगक कार्यालय कान्तिपथमे निर्वाचन केन्द्रित सुरक्षा व्यवस्थापनसम्बन्धी परामर्श सम्पन्न भेल अइछ ।

बुधदिन भेल परामर्शमे आसन्न निर्वाचनकेँ असफल बनाबैबला कोनो प्रकारक आपराधिक गतिविधिकेँ नियन्त्रण करैबला तथा कानुनी दायरामे आनबलगायत विषयमे परामर्श भेल छल । तहिना, निर्वाचनकेँ भयरहित वातावरणमे पारदर्शी एवं शांतिपूर्ण रूपमे सम्पन्न करबाक लेल सब सरोकारवाला पक्षसभसँ समवंय एवं सहकार्य क विश्वसनीय सुरक्षा रणनीति अवलम्बनमे परामर्श केन्द्रित छल ।

परामर्शमे गृहमन्त्री ओम प्रकाश अर्याल, कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त राम प्रसाद भण्डारी, निर्वाचन आयुक्तद्वय जानकी कुमारी तुलाधर आ सगुन शमशेर जबरा, गृह सचिव राज कुमार श्रेष्ठ, आयोगक सचिव कृष्ण बहादुर राउत, प्रहरी महानिरीक्षक दान बहादुर कार्कीके सङे निर्वाचन आयोगक पदाधिकारीसभक उपस्थिति छलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय