गोरखा, ९ माघः प्रतिनिधि सभा गोरखा क्षेत्र नम्बर २ सँ अगिला फागनु २१ गतेके निर्वाचनक लेल उम्मेदवारी दर्ता करौने पूर्वप्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई अपन उम्मेदवारी फिर्ता लेलैन अइछ ।
गोरखा नगरपालिका–८, स्थित निर्वाचन कार्यालयमे आइ अपन प्रतिनिधि नारायण खत्रीमार्फत डा.भट्टराई उम्मेदवारी फिर्ता लेने निर्वाचन अधिकृत मोहन प्रसाद बेल्बासे जानकारी देलैन । डा.भट्टराई प्रगतिशील लोकतान्त्रिक पार्टी (प्रलोपा) के दिससँ उम्मेदवारी देने छलैन ।
तहिना, प्रगतिशील लोकतान्त्रिक पार्टीसँ गोरखा क्षेत्र नं. १ के उम्मेदवार गोपाल बाबु श्रेष्ठ सेहो आइ अपन उम्मेदवारी फिर्ता लेने मुख्य निर्वाचन अधिकृत विष्णु प्रसाद गौतम जानकारी देलैन । कार्यालयमे प्रस्तावक तथा समर्थकसहित उपस्थित भ श्रेष्ठ उम्मेदवारी फिर्ता लेलैन । हुनकासभक उम्मेदवारी फिर्ता भेलाक बाद आसन्न प्रतिनिधि सभाके निर्वाचनमे गोरखा क्षेत्र नं. १ मे आब १२ गोटे आ क्षेत्र नं. २ मे १३ गोटे उम्मेदवार कायम अइछ । रासस





