डिजेल/मट्टितेलके दाम बढ़ल, हवाई इन्धनके घटल


काठमाण्डू, १८ माघः नेपाल आयल निगम डिजेल/मट्टितेलके दाम बढौलक अइछ । निगम संचालक समितिके बैसारसँ शैनदिन मध्यरातिसँ लागू होएजँका डिजेल/मट्टितेलमे प्रतिलिटर तीन टका बढ़ेबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।

मूल्य समायोजन सङे डिजेल/मट्टितेल पहिल वर्गके लेल प्रतिलिटर एक सओ ३६ टका ५० पैसा, दोसर वर्गके लेल १ सओ ३८ टका आ तेसर वर्गके लेल एक सओ ३९ टका कायम भेल अइछ ।

निगमद्वारा चारआली, विराटनगर, जनकपुर, अमलेखगञ्ज, भलबारी, नेपालगञ्ज, धनगढी आ वीरगञ्ज डिपोकेँ पहिल वर्ग, सुर्खेत आ दाङ डिपोकेँ दोसर वर्ग आ काठमाण्डू, पोखरा आ दिपायल डिपोकेँ तेसर वर्गमे राखल गेल अइछ । निगमके डिपोसँ १५ किलोमिटरधैरके लेल उक्त खुद्रा बिक्री मूल्य लागू हएत ।

निगम हवाई इन्धन (आन्तरिक आ अन्तर्राष्ट्रियदिस) के दाम घटौलक अइछ । आन्तरिकदिसके हवाई इन्धनके दाम प्रतिलिटर एक टका आ अन्तर्राष्ट्रियदिस काठमाण्डूमे प्रतिलिटर अमेरिकी सात डलरसँ घटाएल गेल अइछ । दाम घटलाकबाद आन्तरिकदिसके हवाई इन्धनके दाम प्रतिलिटर १ सओ २७ टका आ अन्तर्राष्ट्रियदिस प्रतिलिटर अमेरिकी ९ सओ ६६ डलर कायम भेल अइछ ।

इण्डियन आयल कर्पोरेशनसँ प्राप्त पेट्रोलियम पदार्थके नयाँ खरिद मूल्यअनुसार पेट्रोलमे प्रतिलिटर शून्य दशमलव १२ पैसा, डिजेल/मट्टितेलमे प्रतिलिटर चाइर टका ६६ पैसा तथा एलपी ग्यासमे प्रतिसिलिण्डर ४५ टका ४९ पैसा बढ़ल अइछ, तँ हवाई इन्धनमे प्रतिलिटर एक टका ०८ पैसा घइट क एलासँ खुद्रा बिक्री मूल्य समायोजन कएल गेल निगम स्पष्ट केलक अइछ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय