वीरगञ्ज (पर्सा), १८ माघः वीरगञ्ज नाकासँ चालु आर्थिक वर्षके छ महिनामे सात अरब ६४ करोड़ टका बराबरके सात प्रकारक दलहनजन्य खाद्यान्न आयात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके छ महिनामे एक अरब ८० करोड़ टकासँ बेसीके दलहन खाद्यान्न आयात कएल गेल अइछ ।
वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके सूचना अधिकारी उदयसिंह विष्ट बितल आर्थिक वर्षके छ महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षके छ महिनामे ३१ प्रतिशतसँ आयात बढ़ल बतौलैन अइछ । जबकि बितल आर्थिक वर्षके छ महिनामे सात प्रकारक दलहन खाद्यान्न पाँच अरब ८३ करोड़ टकाके आयात कएल गेल छल । चालु आर्थिक वर्षके छ महिनामे तीन अरब ८२ करोड़ टकाके मौसरीके दाइल आयात कएल गेल अइछ ।
तहिना, ओइ अवधिमे एक अरब १७ करोड़ टकाके सिमी/राज्मा आयात कएल गेल अइछ । चालु आर्थिक वर्षके छ महिनामे एक अरब १४ करोड़ टकाके बदाम (चना) आयात कएल गेल अइछ ।
तहिना, एक अरब टकाके गेड़ागुडी आयात कएल गेल अइछ । २७ करोड़ टका बराबरके राहैरके दाइल आ १६ करोड़ टकाके केराउ आयात कएल गेल अइछ । तहिना, पाँच करोड़ १० लाख टकाके रहरिया आयात कएल गेल अइछ ।रासस





