प्रेस काउन्सिलके मिडिया जागरण राष्ट्रिय अभियान धादिङ्गसँ सुरुवात


मलेखु (धादिङ), १९ माघः प्रतिनिधि सभा निर्वाचनक दिन लगचियाएल समय प्रेस काउन्सिल नेपाल निर्वाचन आचारसंहिता आ मिडिया जागरण अभियान सुरु केलक अइछ ।

निर्वाचनक समय राजनीतिक दल आ सञ्चारमाध्यम दूनु पक्षसँ भ सकबाक आचारसंहिता उल्लङ्घनके घटना कम करबाक उद्देश्यसहित रैबदिन धादिङ्गसँ अभियानक सुरुआत कएल गेल अइछ । अभियान सङे नेपाल पत्रकार महासङ्घ जिमेवार पत्रकारिता, निर्वाचन रिपोर्टिङ आ सामाजिक सञ्जालक प्रयोगसम्बन्धी राष्ट्रिय अभियान सेहो धादिङ्गसँ सुरु केलक अइछ ।

निर्वाचनमे आचारसंहिता पालन, अनलाइन, रेडियो टिभी पत्रपत्रिका निर्वाह करैबला जिमेवार मिडियाके भूमिका तथा सञ्चारकर्मीके निष्पक्षता, सन्तुलन आ सत्यतामे आधारित भ आचारसंहिता पालन करबाक चाही से प्रेस काउन्सिल नेपालक अध्यक्ष डा.कुमार शर्मा आचार्य बतौलैन ।

नेपाल पत्रकार महासङ्घक अध्यक्ष निर्मला शर्मा स्वच्छ निष्पक्ष आ भयमुक्त वातावरणमे निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल पत्रकार आचारसंहिताके पालन करए पड़त से धारणा व्यक्त केलैन । सञ्चारमाध्यम आ सञ्चारकर्मी जिम्मेवार भेलासँ नागरिक मजबुत होबाक कारण निर्वाचनक समयमे सञ्चारकर्मीके केकरो पक्ष या विपक्षमे नै बाजए आ नागरिककेँ सचेत करेबापर ओ जोड़ देलैन ।

कार्यक्रममे सूचना विभागक महानिर्देशक छविन्द्र पराजुली, प्रमुख जिला अधिकारी विजय राज सुवेदी, प्रेस काउन्सिल नेपालक बोर्ड सदस्यसभ शान्तराम विडारी, भिम लाल श्रेष्ठ, नकुल अर्याल, बाल कृष्ण अधिकारी, पदमराज जोशी, कुमारी निमा काफ्ले, केशव शरण लामिछानेलगायत निर्वाचन जागरण कार्यक्रममे सञ्चारकर्मी, मिडियाके ध्यान देबाक आवश्यक भेल विषयमे अपन विचार व्यक्त केलैन ।

तहिना, नेपाल पत्रकार महासङ्घ धादिङ्ग अलग अलग विधामे चाइर गोटे सञ्चारकर्मीसभकेँ पुरस्कृत केलक अइछ । राजेन्द्र प्रताप शाह स्मृति पत्रकारिता पुरस्कारसँ पत्रकार केशव अधिकारीकेँ १५ हजार टकासहित पुरस्कृत कएल गेल अइछ, तँ सीताराम प्रसाद वर्मा स्मृति स्वास्थ्य पत्रकारिता पुरस्कारसँ पत्रकार पोषनाथ अधिकारी, विकास पत्रकारिता पुरस्कारसँ पत्रकार राजन अधिकारी आ शालिक राम वर्मा स्मृति पुरस्कारसँ पत्रकार राम बहादुर ठकुरीकेँ पुरस्कृत कएल गेल अइछ ।

नेपाल पत्रकार महासङ्घ धादिङ्ग अपन आधिकारिक वेबसाइट डब्लुडब्लुडब्लु डट एफएनजे डट ओआरजीके सेहो विधिवत सुरुवात केलक अइछ । पत्रकार महासङ्घके गतिविधि, इतिहास आ सदस्यसभक विवरण, सञ्चारसंस्थासभक विवरण वेबसाइटमे राखल गेल अइछ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय