काठमाण्डू, १९ माघः निर्वाचन आयोग आसन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनसम्बन्धी सत्य, तथ्य सूचना आ सामग्रीकेँ व्यापकता द मतदाता शिक्षाके प्रवर्द्धन, संचार अनुगमनलगायतक विषयमे आइ सरकारी स्वामित्वके संचारमाध्यम आ सम्बन्धित निकायसँ परामर्श केलक अइछ ।
आयोग निर्वाचनक एक महिना बाँकी रहल सन्दर्भमे निर्वाचनमय वातावरणके सिर्जना, निर्वाचन आचारसंहिताके प्रभावकारी कार्यावंयन आ स्वच्छ, निष्पक्ष, भयरहित, पारदर्शी एवं मितव्ययी रुपमे निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल सम्बन्धित निकायसँ सहकार्यके योजना सेहो माँग केलक अइछ । आयोगक निर्वाचन व्यवस्थापन महाशाखाके प्रमुख एवं सहसचिव राजेन्द्र कुमार केसी संचारमाध्यम अपन नियमित जिमेवारीके अतिरिक्त निर्वाचनपूर्व, निर्वाचनक समय आ निर्वाचनक बादके अवधिमे तथ्यपूर्ण सूचना आ समाचार सामग्री उत्पादन तथा प्रकाशन/प्रसारण क निर्वाचनक राष्ट्रिय दायित्वकेँ सफल बनेबापर जोड़ देलैन ।
परामर्शमे राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) के महाप्रबन्धक सन्दीप राई रासस चौबिसो घण्टा समाचारीय सेवा प्रवाहमार्फत ६ सओसँ बेसी सेवाग्राहीकेँ राष्ट्रिय/अन्तर्राष्ट्रिय समाचार, आलेख, विचार, अन्तर्वार्ता, मातृभाषा सेवालगायत सामग्री सम्प्रेषण क रहल बतौलैन । निर्वाचन क्षेत्र विशेषके समग्र समाचार सङ्कलनक लेल निर्वाचन डेस्कके स्थापना क प्रभावकारी काज भ रहल ओ जानकारी देलैन ।
विज्ञापन बोर्डके अध्यक्ष लक्ष्मण हुमागाइँ निर्वाचनक समयमे विज्ञापनमार्फत आचारसंहिताके उल्लङ्घन होबाक सम्भावना भेलासँ ओइ लेल बोर्ड नियमनके काज क रहल जानकारी देलैन । प्रेस काउन्सिल नेपालक मुख्य प्रशासकीय अधिकृत झविन्द्र भुसाल निर्वाचन आचारसंहिता आ पत्रकार आचारसंहिताके कार्यावंयनक लेल काउन्सिल विशेष टोली बना क अनुगमन–कारावाहीके काज क रहल जानकारी देलैन ।
तहिना, सार्वजनिक प्रसारण संस्था (नेपाल टेलिभिजन/रेडियो नेपाल) क नायब महाप्रबन्धक राज कुमार थापा, गोरखापत्र संस्थानक निमित्त कार्यकारी सम्पादक नारद गौतम अपन संस्थासँ निर्वाचनक विषयमे भ रहल समाचारीय काज आ भावी योजनाके बारेमे अवगत करौने छलैन ।रासस





